तेलंगाना विधानसभा भेल भंग, समय सँ पहिले होयत चुनाव

0
9
टीआरएस अपन 105 प्रत्याशी सबकें नाम घोषित कयलक
समदिया
हैदराबाद । सबटा संभावना पर विराम लगबैत तेलंगाना के सीएम के. चन्द्रशेखर राव बृहस्पति दिन राज्य विधानसभा भंग करय के सिफारिश कयलथि जेकरा राज्यपाल नरसिम्हन स्वीकार कयलथि आ अगिला सरकार के चुनय तक कार्यवाहक मुख्यमंत्री के तौर पर काज करय लेल कहलन्हि। एहि के संगे राज्य में समय सँ पूर्व विधानसभा चुनाव के रस्ता साफ भय गेल। तय समय के हिसाब सँ अगिला साल लोकसभा चुनाव संगहि एतय चुनाव होबाक छल। लेकिन राव कैबिनेट पहिलेहे विधानसभा भंग करय के प्रस्ताव पास कय देलक। विधानसभा भंग करय के संग टीआरएस अपन 105 उम्मीदवार सबके नाम के सूची सेहो जारी कयलक। तेलंगाना विधानसभा में कुल 119 टा सीट अछि जहिमें एखन टीआरएस लग 90 टा सीट अछि। विपक्ष में 13 सीट काँग्रेस लग आ 5 सीट बीजेपी लग अछि। काँग्रेस आ भाजपा एहि फैसला के गलत कहला। विधानसभा भंग कयलाक किछु समय बाद काँग्रेस सँ गठबंधन के सवाल पर राव काँग्रेस अध्यक्ष के सबसँ पैघ मसखरा कहलथि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page