आरएसएस कालेज बीहट कए हरा जेडी कालेज, बेगूसराय बनल चैंपियन 

0
9
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय इंटर कॉलेज महिला कबड्डी प्रतियोगिता सम्पन  
समदिया
मधुबनी। स्थानीय महिला कालेज, मधुबनी मे आयोजित ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय इंटर कॉलेज महिला कबड्डी प्रतियोगिता क फाइनल मे शुक्र दिन जिला पदाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोक, मधुबनी मुख्य अतिथि क रूपेँ कार्यक्रम मे भाग लेलथि।
एहि अवसर पर श्री सुनील कुमार सिंह, अनुमंडल पदाधिकारी, सदर, मधुबनी, डॉ मुनेश्वर यादव,सी सी डी सी, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा, श्री उदय नारायण तिवारी, प्रधानाचार्य,एम डी पी एल महिला महाविद्यालय, मधुबनी, डॉ रजनीबाला अग्रवाल, पूर्व प्राचार्या, महिला महाविद्यालय, मधुबनी, डॉ अमर कुमार, सिंडिकेट सदस्य, चयन समिति क श्री मणि कुमार, श्री श्यामानन्द सिंह, श्री भारत भूषण राय, संगठन सचिव सहित अन्य व्यक्ति सब उपस्थित छलाह। एहि अवसर पर उपस्थित बृंद केँ सम्बोधित करैत जिला पदाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोक कहलनि जे वर्तमान समय मे खेल केँ क्षेत्र मे कतेको गोटे केँ बढ़िया कैरियर भेट रहल छैक तेँ खेल केँ कम  नहि बूझबाक चाही। खेल सँ व्यक्ति अनुशासित होईत अछि। पश्चिमी देश जेना हमरो सब केँ खेल केँ अपन जीवन क अभिन्न हिस्सा बनेबा क चाही। खेल सँ स्वास्थ आ फुर्ती बनल रहैत छैक। हार जीत के चिंता कयने बिना तत्परतापूर्व खेलयबाक चाही।
फाइनल मैच मे आरएसएस कालेज बीहट के टीम केँ जे डी कालेज, बेगूसराय क टीम द्वारा हराओल गेल। जे डी कालेज, बेगूसराय क टीम केँ३७ अंक भेटल त आर एस एस कालेज,बीहट के टीम केँ २७ अंक भेटलैक। एहि तरहें जे डी कालेज, बेगूसराय क टीम विजेता, आर एस एस कालेज के टीम रनर आ जे एम डीपी एल महाविद्यालय के टीम तेसर स्थान पर रहल।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page