वैशालीक राज मे राजधानीक दस्तक


समस्तीपुर। समस्तीपुर-गोरखपुर रेल खंड पर पिछला 30 साल स वैशालीक राज रहल, मुदा सात अप्रैल स दिल्ली-गोवहाटी राजधानी एक्सप्रेस क परिचालन शुरू भेला स एहि मार्ग पर लोक कए राजधानी पर यात्रा करबाक अवसर बढि गेल। इ जानकारी सीनियर डीसीएम जफर आजम देलथि। दोसर, मुजफ्फरपुर-नरकटियागंज रेलखंड पर चलेबाला दूटा एक्सप्रेस ट्रेन क मार्ग परिवर्तित करि देल गेल अछि, जखनकि दर्जनभरि गाड़ी क मार्ग संक्षिप्त करि देल गेल अछि। पनिअहवा स्टेशन पर रेल पुल निर्माण कए लकए दरभंगा स अमृतसर जाइबाला जननायक एक्सप्रेस मार्ग परिवर्तित करि मुजफ्फरपुर, छपरा कचहरी होइत गोरखपुर जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments