राज्य सरकार कराउत अपन टका स तीनटा प्राचीन स्थलक खुदाई

1
30
esamaad maithili newspaper

तेलहरा, चेचर आ चौसा मे उत्खनन लेल केंद्र देलक मंजूरी

खुदाई पर खर्च होएत 40 लाख टका

बलिराजगढ़ लेल केंद्र स मांगल गेल टका

पटना : बिहार क प्राचीन स्थल कए उजागर करबा लेल राज्‍य सरकार अपन दिस स पहल शुरू क देलक अछि। केंद्र सरकार बक्सर जिला क चौसा, नालंदा जिला क तेलहारा आ वैशाली जिाला क चेचर मे पुरातात्विक स्थल क खुदाई करबा लेल बिहार सरकार कए अनुमति द देलक अछि। दोसर दिस मधुबनी जिला क बलराजगढ़ मे पांच हजार साल पुरान बारह सौ एकड़ मे पसरल पुरातात्विक स्थल क खुदाई लेल आर्किलॉजिकल सर्वे आॅफ इंडिया क पटना शाखा केंद्र स धन मुहैया करेबाक अनरोध केलक अछि। आधिकारिक सूत्र क अनुसार कला आ संस्कृति विभाग कए खुदाई करेबा लेल केंद्र स लाइसेंस भेटल अछि। राज्य सरकार एहि पुरातात्विक स्थल क खुदाई करेबा लेल एखन तरीख क घोषणा नहि केलक अछि मुदा उम्‍मीद कैल जा रहल अछि जे नवका साल क पहिल मास स इ काज शुरू भ सकैत अछि। आधिकारिक सूत्र क अनुसार एहि धरोहर क खुदाई पर 40 लाख टका खर्च होएत। ज्ञात हुए जे हाजीपुर लग चेचर मे आर्किलॉजिकल सर्वे आफ इंडिया 1979 मे खुदाई केने छल। तखन ओहि ठाम ताम्रपाषाण कालीन पुरावशेष भेटल छल।। एहि स्थल क खुदाई स आब नव पाषाण कालीन अवशेष भेटबाक संभावना अछि। चौसा मे गुप्तकालीन आ तेलहरा मे खुदाई स बौद्ध कालीन अवशेष भेटबाक संभावना अछि। दरअसल बिहार क पूरा इलाका पुरातात्विक कलाकृति स भरल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कई मौका पर एहि धरोहर पर स माटी हटेबाक मांग केंद्र सरकार स केलथि। हाल मे उत्तर प्रदेश क डौडिंया खेड़ा मे सोना क खोज लेल भेल खुदाई पर आपत्ति करैत नीतीश कहने छलाह जे एहन खुदाई स बेसी जरूरी बलिराजगढ क खुदाई अछि जाहि ठाम सोना स बेसी मूल्‍य क संस्‍कृति नुकायल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Comments

comments

1 COMMENT

Comments are closed.