महेंद्र मलंगिया कए भेटल ज्योतिरीश्वर सम्मान

नई दिल्‍ली। मैथिली रंगकर्म क प्रतिष्ठित ‘ज्योतिरीश्वर सम्मान’ एहि साल मैथिलीक प्रसिद्ध नाटककार, रंगकर्मी आ निर्देशक महेंद्र मलंगिया कए प्रदान कैल जाएत। मैथिली लोकरंग संस्‍था (मैलोरंग) एहि सालक रंगमंच सम्‍मान घोषणा क देलक अछि। श्रीराम सेंटर मे सुन्दर संयोग नाटक क प्रस्तुति क बाद संस्‍था दिस स प्रकाश झा ‘ज्योतिरीश्वर सम्मान’, ‘रंगकर्मी प्रमिला झा सम्मान’, आ ‘रंगकर्मी श्रीकांत मंडल सम्मान’ क लेल नामक घोषणा केलथि। श्री झा कहला जे रंगकर्मी प्रमिला झा सम्मान लेल एहि साल अनीता झा (जनकपुर, नेपाल) कए चयन कैल गेल अछि जखनकि श्रीकांत मंडल सम्मान एहि साल युवा कलाकार निलेश दीपक कए देल जा रहल अछि। ओ कहला जे मैलोरंग वर्ष 2005 स रंगकर्म आ रंगमंच मे अपन विशेष योगदान लेल किछु पुरष्कार दैत आबि रहल अछि। एहि साल तीन पुरस्‍कार लेल मुख्‍य चयनकर्ता छलथि प्रसिद्ध रंगकर्मी प्रेमलता मिश्रा, मैलोरंग के अध्यक्ष देवशंकर नवीन आ मेलोरंग रेपोर्टरी क चीफ मुकेश झा। चयनकर्ता कए आभार संगहि चयनित रंगकर्मी सब कए बहुत बहुत बधाई।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments