बिहार मे कारोबार लेल माहौल बनल : बिलिमोरिया

नई दिल्‍ली। लंदन क उद्यमी आओर हाउस ऑफ लॉर्ड्स क सदस्य करण बिलिमोरिया बिहार क विकास स बहुत प्रभावित छथि आ बिहार मे निवेशक अपन फैसला पर गौरवान्वित छथि। भारत मे जनमल बिलिमोरिया कहला अछि जे ओ जखन बिहार में निवेश करबा लेल फैसला लेने छलाह त सब मित्र परिचित हुनका पागल कहने छल। ओ कहला जे हुनका इ फैसला सही निकलल। देखू पिछला छह साल में बिहार केतबा बदलि गेल अछि। ओ कहला जे ओ राज्य में अपन निवेश आओर बढौताह। सबस पहिने हुनकर कोबरा बीयर क उत्पादन मे तीन गुना बढोतरी कैल जा रहल अछि। एकर संगहि ओ राज्य में अपन पहिल वैश्विक बैसार करबाक फैसला लेलथि अछि। एहि बैसार मे कंपनी क विभिन्‍न देशक लोक बिहार मे जमा होएत। बिलिमोरिया कहला जे ओ बिहार में अपन भट्ठी क क्षमता वर्तमान 20 लाख केस स बढ़ाकए फरवरी तक 40 लाख केस करि लेताह। अगिला साल फरवरी तक एकरा 70 लाख केस तक करबाक क योजना अछि।
बिलिमोरिया अपन परिवार क पहिल पीढ़ी क कारोबारी छथि आ ओ लंदन में चार्टर्ड एकाउंटेंट क शिक्षा हासिल केने छथि। ओ कहला जे बिहार मे निवेश लेल आब बेहतरीन माहौल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नीक काज क रहल छथि। अपराध में कमी देखा रहल अछि। राज्य क आर्थिक विकास देश क औसत स बेसी अछि। एकटा कारोबारी कए आओर की चाही। सब किछु सकारात्मक अछि। बाजार क आकार काफी पैघ अछि। उल्लेखनीय अछि जे बिलिमोरिया अपन कारोबार कए आओर आगू बढेबा लेल पिछला साल जून में मोल्सन कूर्स स हाथ मिलेने छलाह। बिलिमोरिया प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह क वैश्विक सलाहकार परिषद क सेहो सदस्य छथि। प्रवासी भारतीय सम्‍मेलन लेल भारत आयल बिलिमोरिया अगिला मास 17 स 19 फरवरी कए पटना में बिहार सरकार क प्रवासी सम्मेलन में सेहो शामिल हेताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments