बिहार क मुश्ताक अहमद हॉकी इंडिया क कोषाध्यक्ष चुनल गेलाह

नई दिल्ली। अंतरिम अध्यक्ष विद्या स्टोक्स कए हॉकी इंडिया (एचआई) क नव अध्यक्ष चुनि लेल गेल अछि। ओतही बिहार क मोहम्मद मुश्ताक अहमद कए हॉकी इंडिया क नव कोषाध्यक्ष चुनल गेल। नरेंद्र बत्रा कए महासचिव चुनल गेल। ओना एहि चुनाव क किछु काल क बाद केंद्रीय खेल मंत्रालय हॉकी इंडिया क मान्यता समाप्त करि देलक।
एहि स पूर्व हॉकी इंडिया क चुनाव मे स्टोक्स भारतीय हॉकी टीम क पूर्व कप्तान परगट सिंह कए 20 मत स पराजित केलथि। स्टोक्स कए 41 मत भेटल जखन कि परगट क हिस्सा मे 21 मत आएल।
के.पी.एस. गिल क खिलाफ बगावत क बिगुल फूंकनिहार नरेंद्र बत्रा कए महासचिव चुनल गेल। संयुक्त सचिव पद क लेल रमेश नाम्बियार क चयन भेल जखकि हॉकी बिहार क मोहम्मद मुश्ताक अहमद कए कोषाध्यक्ष चुनल गेल। मुश्ताक हैदर कए 45-17 क अंतर स पराजित केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments