बदलि सकैत अछि यूपी में कांग्रेस अध्यक्ष

0
33
esamaad maithili newspaper

नई दिल्ली। कांग्रेस उत्तरप्रदेश मे अपन जमीन कए बढ़बा लेल नव नेतृत्व क तलाश शुरू करि देलक अछि। कांग्रेसक सूत्र समाद देलक अछि जे राहुल गांधी उपचुनाव मे भेटल सफलता स उसाहित छथि आ राज्य कांग्रेस कए आब 2012 क चुनावक तैयारी मे जुटबा लेल कहलथि अछि। 25 साल बाद लोकसभाक फिरोजाबाद सीट आ 20 साल क बाद विधानसभाक लखनऊ सीट पर जीत कांग्रेस लेल एकटा संजीवनी जेका अछि। राहुल चाहैत दथि जे उत्तरप्रदेश क नेतृत्व आब एहन लोकक हाथ मे देल जाए, जे भविष्य मे प्रदेशक मुख्यमंत्रीक उम्मीदवार भ सके। कांग्रेस सूत्र इहो कहैत छथि जे कांग्रेस उत्तरप्रदेश मे कोनो युवा आ दलित चेहरा क तलाश मे अछि, ओना एहन एहि तरहक कोनो नाम सामने नहि आयल अछि, लेकिन आलाकमान एतबा तय करि लेलथि अछि जे उत्तरप्रदेशक वर्तमान अध्यक्ष रीता बहुगुणाक नेतृत्व मे अगिला विधानसभा चुनाव नहि लड़ल जाइत। एकर संगहि इ सेहो तय भ गेल जे रीता उत्तरप्रदेश मे कांगे्रसक मुख्यमंत्रीक उम्मीदवार नहि हेती। उत्तर प्रदेश मे अपना कए फेर सत्ताधारी दल बनेबा मे जुटल कांग्रेस क युवराज राहुल गांधी मानब छैन जे आब ओ समय आबि गेल अछि, जखन कांग्रेस कए एकटा एहन प्रदेश अध्यक्ष देल जाए जे आगू चलि कए मुख्यमंत्रीक उम्मीदवार भ सके। कांग्रेसक एकटा पैघ नेता क कहब अछि जे सब किछु ठीक रहल त अगिला साल स पहिने रीताक विदाई भ सकैत अछि। ओना मनमाफिक नेता भेटलाक उपरांते रीता क विदाई संभव अछि।

Comments

comments