नीतीश मंगलथि माफी

सरिता सुमन
पटना। मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार पटनाक एसपी (सिटी) किम क महिला क संग बदसलूकी लेल जनता स माफी मंगलथि अछि। नीतीश कहला जे राज्य मे अगर कोनो महिला या नागरिक क संग एहन व्‍यवहार भेल अछि त ओ मुख्‍यमंत्री हेबाक नाते तमाम पीड़ित लोक स क्षमा मंगैत छथि। ओ कहला जे घटना दुखद अछि आ ओ एकर नैतिक जिम्‍मेदारी लैत छथि। ज्ञात हुए जे पटनाक कंकडबाग मे करेंट लगबा स दूटा युवकक मौत क बाद कानून-व्यवस्था क उत्पन्न समस्या क दौरान सिटी एसपी एकटा महिला कए थापड मारने छलीह जेकर सर्वत्र निंदा भ रहल अछि। सिटी एसपी कए निलंबित करबाक मांग पर विपक्ष आइ बिहार विधान परिषद क बाहर नारेबाजी केलथि संगहि सदन क कार्यवाही शुरू भेला पर शून्यकाल क दौरान एहि मामला कए उठेलथि। जाहि पर नीतीश कुमार कहला जे ओ मुख्यमंत्री हेबाक कारण एकर नैतिक जिम्‍मेदारी लैत तमाम पीड़ित लोक स मांफी मंगैत छी। विपक्षक मांग पर नीतीश कहला जे एहि मामला मे कानूनी ढंग स कार्रवाई होएत, एहि मे कोनो प्रकार स हस्तक्षेप नहि कैल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments