तीन राति बंद रहत गांधी सेतु

पटना । मरम्‍मत लेल महात्मा गांधी सेतु तीन राति बंद रहत। 29 साल मे पहिल बेर इ पुल आवाजाही लेल पूर्ण रूप स बंद कैल जा रहल अछि। ओना सरकारक कहब अछि जे आवाजाही भोर चारि बजे स रातिक 11 बजे तक चालू रहत मुदा 18, 22 आओर 27 सितंबर क राति 11 बजे स भेर चारि बजे तक एहि पुल पर कोनो प्रकारक आवागमन बंद रहत। पथ निर्माण विभागक अनुसार पाया संख्या 43, 44 आओर 45 क मरम्मत बिना पुल पर आवाजाही बंद केने संभव नहि अछि। पथ निर्माण विभाग क प्रधान सचिव प्रत्यय अमृत कहला अछि जे एहि गपक सूचना सब जिलाधिकारी कए द देल गेल अछि आ हुनका इ निर्देश देल गेल अछि जे ओ इ सूचना आम लोकक संग संग बस मालिक, ट्रक ऑनर एसोसिएशन आ ट्रांसपोर्ट फ़ेडरेशन कए सेहो द दथि। वैशाली आ पटना क डीएम-एसपी स एहि तीन रातिक दौरान जाम क कोनो समस्‍या उत्‍पन्‍न नहि हुए एकर खास तौर पर व्‍यवस्‍था करबा लेल कहल गेल अछि। एकरा लेल पर्याप्त संख्या मे पुलिस बल उपलब्ध कराउल जा रहल अछि।
ज्ञात हुए जे इ पुल पूर्ण हेबा स पूर्व जर्जर भ गेल आ कहियो एकर चारू लेन एक संग नहि खोलल जा सकल। पिछला सात साल स एकर दूटा लेन स्‍थायी तौर पर बंद अछि आ एकर मरम्मत पर भारी-भरकम खर्च सेहो भ चुकल अछि। केंद्र आ राज्‍य दूनू सरकार एहि पुल क मरम्‍मत पर एक दोसर कए जिम्‍मेदार कहैत आयल अछि आ इ पुल अपन वजूद कए बचेबा लेल संघर्ष कए रहल अछि। गंगा मे जलस्‍तर बढलाक बाद एकर तीनटा पाया एतबा कमजोर भ चुकल अछि जे एहि पुलक मरम्‍मत मजबूरी भ गेल अछि। एहन मे पथ निर्माण विभाग विभाग अपन अभियंता सब कए हर हाल मे एहि पाया क मरम्‍मत तीन दिन मे करबा लेल कहलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. ज्ञात हुए जे इ पुल पूर्ण हेबा स पूर्व जर्जर भ गेल आ कहियो एकर चारू लेन एक संग नहि खोलल जा सकल ………………… कारण की ?

Comments are closed.