टीवी पर भेटत ट्रैफिक जाम क जानकारी

पटना। ट्रैफिक जाम पुलिस कए खटक लागल अछि। जेना-जेना एहि स निबटबाक योजना आगू बढ़ैत अछि, तहिना-तहिना जाम क समस्या सेहो बढि़ रहल अछि। डीजीपी आनंद शंकर कहलथि जे पटना क लेल पुलिस मुख्यालय आब एहि योजना पर सेहो गंभीरता स काज करि रहल अछि जे जेना टीवी पर ब्रेकिंग न्यूज चलैत अछि, तहिना स्थानीय केबल चैनल पर इ बतेबाक व्यवस्था कएल जाए जेकोन इलाका ट्रैफिक जाम क गिरफ्त मे अछि। लोक कए कोन रास्ता स चलबाक चाहि।
मात्र पटना नहि, हाल क दिन मे मुजफ्फरपुर, भागलपुर आ दरभंगा मे सेहो ट्रैफिक जाम क समस्या बढ़ल अछि। एहि गप कए केंद्र मे राखि इ शहर कए अतिरिक्त ट्रैफिक पुलिस उपलब्ध कराउल गेल अछि।
एहि योजना क तहत स्थानीय केबल चैनल पर ब्रेकिंग न्यूज क शक्ल मे इलाका क हिसाब स बेर-बेर भोर आ सांझ इ बताएल जाइत जे कोन इलाका मे ट्रैफिक मूवमेंट कोन तरह क अछि। विशेष अवसर पर इ अभियान दिन मे सेहो चलाउल जा सकत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments