जखन भेल बंटवारा क दर्द

अब्दुल बारी सिद्दीकी
नेता प्रतिपक्ष, बिहार विधानसभा
बिहार दोसर बेर वर्ष 2000 मे बंटल, जखन दक्षिण बिहार क इलाका झारखंड नामक अलग प्रांत क रूप मे भारत क मानचित्र पर उभरल, मुदा एहि घटना लेल कोनो दल कए इतिहास माफ नहि करत चाहे ओ हमर दल हुए या कोनो दोसर दल। बिहार क विभाजन सही नहि छल। बिहार क जनता सेहो एकर विरोध नहि केलक। शायद हुनकर मन मे इ छल जे बिहार मे विरोध होएत, त एकर लपट झारखंड मे बेसी उठत। बिना कोनो आंदोलन क बिहार बांटि देल गेल। एहि मे राज्य सरकार राजनीतिक रूप स मजबूर छल। बांटबाक जिम्मेवारी त केंद्र क छल। बंटवारा मे मुख्यत: दूटा पार्टी भाजपा आओर कांग्रेस जिम्मेवार छल। भाजपा अपन चुनाव घोषणापत्र मे अलग वनांचल राज्य क गप केने छल आ कांग्रेस सेहो छोट-छोट राज्‍य क निर्माण क पझधर छल। लालू प्रसाद कहने छलाह जे हुनकर लाश पर झारखंड बनत। लागल छल जे आदिवासी लेल नव राज्य बनत, त हुनकर भाग्य बदलत, मुदा आइ सेहो स्थिति जस -क -तस अछि। हम किछु दिन पहिने एकटा विवाह समारोह मे शामिल हेबा लेल रांची गेल रही। ओहि ठाम भोजनक दौरान आइठ उठबैत आदिवासी महिला कए देखल, जे हमरा नीक नहि लागल। जिनकर भय आ दोहन स बचबा लेल अलग राज्य क निर्माण भेल छल, आदिवासी आ हुनकर घर क महिला आइ सेहो हुनकर घर मे चौका-बरतन करि रहल छथि। हम ओहि समय मे स्पोर्ट्स विभाग क मंत्री रही। झारखण्ड कए अलग भेलाक एक साल बाद ओहि ठाम गेल रही, त लागल जे अंचिनहार जगह पर आबि गेलहुं अछि।
भारत स पाकिस्तान क अलग भेला पर जेकां किछु लोक कए अनुभव भेल छल तहिना हमरो अनुभव भेल। अविभाजित बिहार मे हम लोहरदगा आ गुमला जिला क प्रभारी मंत्री रही। ओहि ठाम स हमरा बड़ मोह छल। कईटा आदमी छलाह, जे एखनो गप करैत छथि। महिला हॉकी चैंपियन सावित्री पूति, बुधुआ उरांव, संजीव सिंह आ ओलिंपियन शिवनाथ सिंह सन कईटा नाम अछि, जिनका सिंडिकेट क सदस्य मनोनीत करबेलहुं। एक बेर सावित्री पूति पूछलथि- भैया फेर स दून राज्‍य एक नहि भ सकैत अछि। लोहरदगा मे एकटा फिजिकल कॉलेज छल। ओकरा मान्यता देबाक क गप बहुत दिन स अटकल छल। जेबी तुबिद दरभंगा मे जिलाधिकारी रहल छलाह। ओ लोहरदगा क जिलाधिकारी छलथि। ओ हमरा पूरा गप कहलथि। हमरा लग फाइल आयल, त हम आधा घंटा मे निबटा कए पठा देलहुं। ओहि ठामक प्रिंसिपल हमरा स कहलथि-सर, मान्यतावाला फाइल आबि गेल अछि अहां लग मे। हम उत्‍तर देल- हम त ओ फाइल पठा देने छी। एतबा सुनलाक बाद हुनक आंखि नोरा गेल। हमर लगाव नेतरहाट, जमशेदपुर आ गुमला सन शहर स सेहो रहल अछि। राज्य बनला स लागल छल जे आदिवासी खुशहाल भ जेतथि, हुनकर घर मे रोशनी आएत, मुदा इ भ्रम छल। आम आदिवासी ठगा गेलथि। हुनकर नसीब नहि बदलल। किछु मूति भरि छथि, जे पैघ लोकक मोहरा बनैत रहैत छथि। अल्पसंख्यक क ताकत सेहो कम भेल अछि। जाहि दिन दिन बिहार विधानसभा मे अंतिम दिन अविभाजित बिहार क सदस्‍य क भाषण भ रहल छल, ओ विदाइ क बेला छल। बड़ खराब लागि रहल छल। गोवधन नायक होइथि या इंदर सिंह नामधारी, सब अपने छलाह। आब दूर भ रहल छलाह। जाहि रफ्तार स उत्तराखंड आओर छत्तीसग़ढ क निमाण भेल आओर ओ विकास क राह पकडलक, ओहि गति स झारखंड बहुत पाछु छूटि गेल अछि। जखन एकटा राज्य छल, त सब चीज ओहि कात छल। खनिज क लाभ सेहो आहि इलाका कए भेटल। लोक सब कहलक – बिहार लग किछु नहि रहल। मुदा बिहार आइ अपन सामर्थ्य स उठल आ आगू बढल। हम एहि सरकार आ ओहि सरकार क गप नहि करैत छी, इ गप ओ लोक (वर्तमान सरकार) करैत छथि। जखन एकीकृत बिहार छल, त वाणिज्य कर क रूप मे 1600 करोड़ टका जमा होइत छल। आब अलग बिहार क खाता मे 2400 करोड़ टका जमा भ रहल अछि—
साभार: प्रभात खबर.

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

4 टिप्पणी

  1. झारखण्ड बनल आदीवासी सभ ला… पर झारखण्ड में पहिने से बिहारी आ बंगाली सभल दबदबा छल… से आइओ जारी अछि ।
    बिहारी-बंगाली सभ के झारखण्ड से भगाएल जा सकैयऽ कि ??

  2. Chot chot rajya san desh ke bikas hait. Bihark batbara ohi time men tin bhag men bhenai uchit chal. Patna, pura Mithila ke sosan ka rahal achhi, se Siddakiji ke nai dekhai pari rahal chhain. Patna ke premier institutions men Mithilabsi ke ki percentage chaik se hunka bujhal chhai? Less than 20%. Patna secretariate men Mithilabsi ke ki % chhaik? Lalten laka takab takhan kiyo apna diska lotk bhetat. E baat ham 80′ ke kahi rahal chhe, jakhan hm Sichai bhaban men engineer rahi.

    Laloo ke sang rahait-rahait, kamsankam reservation ke ta khub bujhait hethin. Hunkar help Mithilabasi ke chahi, jata san o hameshe election jitlah achhi.

    Sab job men reservation district basis per hoibak chahi.Other than Class I and II officers, all jobs should be filled by local candidates. Ekhan ek chouthai bhojpuri/maghee lok, Biharak tin choutai noukari la rahal achhi. Tin chouthai maithil ke ek chouthaio noukari nahi bhet rahal chhaik. Uper caste ke goli maru, banki lok ke t hak diyabiuk. Darbhanga -Madhubani men lok ke kami chhik, je sabta sipahi Bhojpuri speaking achhi! Kaita constable, Maithilani chhaith? America me 30-40% police officer female chhaith. CM ke kahiyoun je Bihar Police ke 50% job female candidates ke hoibak chahi. Ehi san guskhori seho kam bha jait. Female candidates yadi IAS ke topper aa IAS/IFS/IPS office ke kaj India men ka sakait chhaith, ta o jarur apna district men police inspector, constable, thana- office clerk, admin ke kaj sucharu dhung san chala sakaith chhaith. Biswas karu, E sambhav achhi. Bhojpuri aa Maghee male police, Mithila men sabsan paigh lutera achhi, o ki chor aa criminal ke pakrat. Sab san agrah je kane ehi bat per sochiyouk.
    Mithila prant banak control apan hath men liya. Mithilak NRI ke aab yeh ta upay, vikas lel dekha men abi rahal chhain.

Comments are closed.