उपेन्द्र कुशवाहा फेर जदयू मे

पटना । राष्ट्रीय समता पार्टी क अध्यक्ष उपेन्द्र कुशवाहा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क उपस्थिति मे न्याय क संग बिहार क विकास मे तेजी अनबाक उद्देश्य स जनता दल यूनाइटेड मे विलय की घोषणा केलथि। कुशवाहा नीतीशक संग संयुक्त संवाददाता सम्मेलन मे कहला जे न्याय क साथ बिहार क विकास मे तेजी अनबा लेल ओ अपन पार्टी क जदयू मे विलय करबाक निर्णय लेलथि अछि। ओ कहला जे हुनकर जदयू स कहियो सैद्धांतिक मतभेद नहि रहल आ ओ सदा न्याय क संग समाज क सब वर्ग क सहयोग स बिहार क विकास क लेल संघर्ष करैत रहलथि अछि। ओ कहला जे राजनीतिक परिस्थिति क आकलन स हुनका इ महसूस भेल जे अगर हुनकर पार्टी क जदयू मे विलय नहि करैत अछि त राज्य मे पूर्व क भांति आतंक क राज फेर स लौट सकैत अछि। कुशवाहा कहला जे इ समय क मांग अछि जे ओ नीतीशक के नेतृत्व मे बिहार क विकास क लेल काज करथि, ताकि आतंक क राज क वापसी नहि भ सके। ओ कहला जे अगिला साल विधानसभा क चुनाव अछि आ हुनका पूरा उम्मीद अछि जे जनता नीतीश कए फेर पांच वर्ष क लेल बिहार क नेतृत्व सौंपत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments