उन्नत दलहन बीज उत्पादन क तैयारी


पटना । दलहन क खेती क प्रति उदासीन भ रहल किसान क लेलएकटा नीक समाद अछि। फिलहाल प्रदेश मे दलहन बीज क संकट अछि। बीज क बदलाव दर मात्र 20 प्रतिशत अछि, एकरा 33 प्रतिशत पर पहुंचेबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। पुरनका प्रभेद क बीज क वजह स पैदावार कम भ गेल अछि। लक्ष्य प्राप्त करबा लेल केन्द्र प्रायोजित योजना क तहत त्रिपक्षीय एकरारनामा होएत। जाहि स किसान कए उन्नत बीज उत्पादन क लेल प्रेरित कैल जाएत। कृषि वैज्ञानिक क अनुसार दलहन क बुआई अगिला सप्ताह शुरू भ जाएत। कृषि विभाग क अनुसार दलहन बीज उत्पादन क लेल किसान, कृषि विभाग आ बिहार राज्य बीज निगम क बीच त्रिपक्षीय समझौता हेबाक अछि। किसान कए बीज पर प्रति क्ंिवटल एक हजार टका प्रोत्साहन राशि देल जाएत, जाहि मे 250 टका बीज प्रसंस्करण क लेल देल जाएत। कृषि विभाग क दिस स जिला कृषि पदाधिकारी आ प्रखंड कृषि प्रसार अधिकारी समझौता पत्र पर हस्ताक्षर करताह। कृषि पदाधिकारी किसान कए तकनीकी जानकारी उपलब्ध करौताह। जखनकि बीज निगम द्वारा ग्रेडिंग आ बीज खरीद क गारंटी देल जाएत। बीज पर प्रोत्साहन राशि क भुगतान ग्रेडिंग क बाद होएत। खाद्य सुरक्षा मिशन क तहत एहि बेर सबटा जिला कए दलहन उत्पादन मे शामिल कैल गेल अछि। पूर्व मे केवल 13टा जिला शामिल छल। आब बीज उत्पादन क लेल उत्क्रमित दलहन विकास योजना लागू कैल जाएत। योजना क तहत प्रत्येक किसान कए पांच हेक्टेयर तक क लेल बीज पर अनुदान भेटत। खाद्य सुरक्षा मिशन क तहत बीज पर 20 प्रतिशत अनुदान देल जाएगा। एहि बेर धान क बेसी खेती नहि भ सकल अछि ताहि लेल अगता दलहन क खेती होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments