ईको फ्रेंडली बनत टाइगर रिजर्व

पटना । कई साल स भ रहल घोषणा क बाद एक बेर फेर बाल्मीकिनगर व्याघ्र सुरक्षित क्षेत्र कए इको पर्यटकीय केंद्र क रूप मे विकसित करबाक घोषणा कैल गेल अछि। उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे एहि पर्यटकीय केन्द्र कए विकसित करबा लेल 24 लाख टकाक लागत स छहटा टूरिस्ट हट तैयार कैल जाएत। ओ कहला जे ओहि ठाम आठटा स्विस टेंट सेहो लगाउल जाएत। मोदी दावा केलथि जे एहि लेल जनवरी तक पर्यटन विभाग क होटल बाल्मीकि बिहार कए आधुनिक बना देल जाएत । एकरा लेल 23.50 लाख टका स्वीकृत भ चुकल अछि। ज्ञात हुए जे मोदी हालहि मे बाल्मीकिनगर व्याघ्र सुरक्षित क्षेत्र क दौरा केने छलथि। राजधानी लौटलाक बाद ओ बाल्मीकिनगर व्याघ्र सुरक्षित क्षेत्र कए इको पर्यटकीय केन्द्र क रूप में विकसित करबाक उद्देश्य स संचालित होइवाला योजना क संबंध मे ओ अधिकारी सब कए आवश्यक निर्देश देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments