आब विकास मित्र कए सेहो साइकिल


पटना। छात्र क तर्ज पर आब विकास मित्र कए सेहो साइकिल देल जाएत। मगध, पटना आ सारण प्रमंडल स आयल महादलित विकास मित्र क जागरुकता सम्मेलन मे एकर घोषणा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केलथि। मुख्यमंत्री विकास मित्र कए सरकार, महादलित मिशन आ आम लोक क बीच क सेतु आ सामाजिक परिवर्तन क वाहक बतौलथि। ओ कहला जे सरकारी योजना कए आम लोक तक पहुंचेबा मे विकास मित्र क अहम भूमिका अछि। हिनका कोनो परेशानी नहि हुए, एकरा लेल सरकार हिनका सब कए साइकिल देबाक निर्णय लेलक अछि। विकास मित्र अपन काज मे कोनो कोताही नहि बरतथि, हमर बस एतबा अपील अछि। सरकार हर संभव सहयोग करबा लेल तैयार अछि। ओ कहला जे महादलित विकास मित्र कए काजक प्रशिक्षण देल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments