आखिर केंद्र द देलक एनओसी

नई दिल्‍ली। आखिरकार केंद्र सरकार पटना मे गंगा नदी पर गांधी सेतुक समानांतर पुल बनेबा लेल बिहार सरकार कए एनओसी द देलक। दिल्‍ली में केंद्रीय पथ परिवहण मंत्री सीपी जोशीक संग मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमारक भेल बैसार मे तय भेल जे गांधी सेतुक समानांतर एकटा पुल राज्‍य सरकार पीपीपी मोड पर बनाउत। एकरा लेल केन्द्र सरकार राय सरकार कए एनओसी द देलक संगहि मौजूदा पुल क मरम्मत पर सेहो केंद्र अपन सैद्धांतिक सहमति दे देलक अछि।
जोशी क संग करीब एक घंटे तक चलल बैसार मे डुमरी घाट पुल आ भागलपुर वाईपास सन किछु आओर मसला पर चर्च भेल। बैसारक बाद नीतीश कहला जे हम गांधी सेतु पर केन्द्रीय मंत्री स चर्चा केलहु अछि। हमर प्रस्‍ताव छल जे एहि पुल क समानांतर एकटा वैकल्पिक पुल क निर्माण लेल एनओसी देल जाए । केंद्र सरकार स एहि पर सैद्धांतिक सहमति भ गेल अछि।
नीतीश कहला जे नवका पुल क निर्माण मे पांच छह साल मे भ जाएत। ता धरि मौजूदा पुल क रखरखाव राष्ट्रीय राजमार्ग द्वारा कैल जाएत आ एकर खर्चा केन्द्र द्वारा वहन कैल जाएत। नीतीश कहला जे राज्‍य सरकार नवका पुलक निर्माण पर करीब 2 हजार करोड खर्च करत। एहि मौका पर जोशी कहला जे महात्मा गांधी सेतु क समानांतर वैकल्पिक पुल क निर्माण सार्वजनिक निजी भागीदारी क तहत राज्‍य सरकार करत आ नवका पुल तैयार भ गेला पर पुरनका पुल सेहो राज्‍य सरकार कए सौंप देल जाएत। ता धरि केंद्र सरकार ओकरा मरम्‍मत कराउत किया त गांधी सेतु पटनाक लाइफ लाइन छी।
एहि बैसार मे बिहार मे भागलपुर आ पटना बाइपास क निर्माण पर सेहो चर्च भेल। जानकारी क अनुसार केंद्र सरकार वाइपास निर्माण लेल 233 करोड टका देबाक मंजूरी द देलक अछि। नीतीश कुमार करीब दू साल स मरम्‍मत क बाट तकैत डुमरी घाट पुल लेल सेहो केंद्र स सहायता क गुहार केलथि, सूचनाक अनुसार केंद्र एहि पुलक मरम्‍मत लेल सेहो 50 करोड टका देबाक आश्‍वासन देलक अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. नीक समाद । काज शिघ्रातिशिघ्र हो से कामना ।

Comments are closed.