अहिल्या स्थान क सौंदर्यीकरण लेल भेटल 2.82 करोड़

दरभंगा : जाले क भाजपा विधायक विजय कुमार मिश्र कहला अछि जे राज्य सरकार जिला क पौराणिक आ ऐतिहासिक अहिल्या स्थान क सौंदर्यीकरण आ जीर्णोद्धार लेल 2 करोड़, 82 लाख 19 हजार टका देलक अछि। आब एहि स्थान क कायाकल्प भ सकत। ओ कहला जे गत जून मास मे जाले विधान सभा क्षेत्र क भ्रमण क दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अहिल्या स्थान क सौंदर्यीकरण आ गौतम कुंड क जीर्णोद्धार क आश्वासन देने छलाह। एकर बाद पर्यटन विभाग अहिल्या स्थान क सौंदर्यीकरण लेल 2 करोड़, 82 लाख 19 हजार टका क स्वीकृति प्रदान केलक अछि। आवंटित राशि क विरुद्ध विभाग एहि वित्तीय वर्ष मे 30 प्रतिशत यानी 84 लाख टका विमुक्त सेहो क देलक अछि। ओ कहला जे अगिला मास क प्रथम सप्ताह मे एहि काज क निविदा क प्रक्रिया पूरा क लेल जाएत। विधायक कहला जे एकर अलावा सिंचाई विभाग गौतमकुंड क जीर्णोद्धार लेल तीन करोड़ टका क स्वीकृति प्रदान केलक अछि। ओ एहि काज लेल क्षेत्र क जनता दिस स मुख्यमंत्री कए धन्यवाद देलथि अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.