तीन साल मे चालू भ जायत राष्ट्रीय जल मार्ग

कुल प्रस्तावित 111 नेशनल वाटरवेज मे स 37 पर काज शुरु
पहिल चरण क 37टा नेशनल वाटरवेज मे स सात टा गुजरत बिहार स
बनारस, हल्दिया आ साहेबगंज मे बंदरगाह निर्माणक काज शुरु
मुख्य समदिया
national_waterways_of_indiaपटना । देश मे नदी क माध्यम स एक बेर फेर व्यापारिक यात्रा शुरु भ रहल अछि। पिछला करीब दू सौ साल स बंद पडल एहि जल मार्ग सब कए फेर स पुनर्जीवित कैल जा रहल अछि। केंद्र सरकार कुल 111टा जल मार्ग कए एखन धरि मंजूरी देलक अछि। जाहि मे स 37टा जलमार्ग पहिल चरण मे खोलल जा रहल अछि। अगिला तीन साल मे पहिल राष्ट्रीय जल मार्ग शुरु भ जाएत।  कुल 1620 किमी लंबा नेशनल वाटरवेज-1 गंगा लेल अछि आ इ जलमार्ग यूपी, बिहार, झारखंड आ बंगाल स गुजरत। जल परिवहन राज्यमंत्री राधाकृष्णन एहि संबंध मे विस्तार स जानकारी दैत कहला अछि जे एहि जल मार्ग लेल बनारस, साहेबगंज आ हल्दिया मे बंदरगाह बनेबाक काज शुरु भ चुकल अछि।
ओ कहला जे 37 मे स कुल सातटा राष्ट्रीय जलमार्ग बिहार- झारखंड भ कए गुजरत। जाहि मे नेशनल वाटरवेज-1, 37, 40, 58, 81, 94 आ 96 शामिल अछि। नेशनल वाटरवेज-96 क लंबाई 314 किमी अछि आ इ स्वर्णरेखा नदी लेल अछि। ओ कहला जे जलमार्ग कारोबार लेल बहुत सस्त होएत आ सडक आ रेल क मुकाबले इ बेसी कारगर साबित होएत।
कौन- कौन नेशनल वाटरवेज गुजरत बिहार स
1: नेशनल वाटरवेज-37
इ जलमार्ग गंडक नदी पर बनत। एकर लंबाई 300 किमी होएत। इ भैंसालोटन स हाजीपुर क बीच परिवहन क सुविधा देत।
2: नेशनल वाटरवेज-40
इ जलमार्ग घाघडा नदी पर बनत। एकर लंबाई 340 किमी होएत। इ यूपीक फैजाबाद स बिहार क सारण बीच परिवहन क सुविधा देत।
3: नेशनल वाटरवेज-58
इ जलमार्ग कोसी नदी पर बनत। एकर लंबाई 236 किमी होएत। इ हनुमाननगर स कुरसैला क बीच परिवहन क सुविधा देत।
4: नेशनल वाटरवेज-81
इ जलमार्ग गंगा नदी पर बनत। एकर लंबाई 35 किमी होएत। इ पकडी गांव स फतुहा क बीच परिवहन क सुविधा देत।
5: नेशनल वाटरवेज-94
इ जलमार्ग सोन नदी पर बनत। एकर लंबाई 160 किमी होएत। इ सोन कए गंगा स जोडि कए परिवहन क सुविधा देत।
6: नेशनल वाटरवेज-96
इ जलमार्ग गंगा-दामोदर नदी पर बनत। एकर लंबाइ्र 314 किमी होएत। इ ओडिशा स बंगाल भाया बिहार-झारखंड भ परिवहन क सुविधा देत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments