विक्रमशिला युनिवर्सिटी लेल चाही 500 एकड जमीन

बिहार कए भेटत चारिम केंद्रीय विश्वविद्यालय

Vikramshila_stupaपटना । नालंदा युनिवर्सिटी क स्थापना क बाद स इ मांग उठैत रहल जे भागलपुर स्थित विक्रमशिला युनिवर्सिटी कए सेहो पुनर्जीवित कैल जाये। नालंदा जेना अंतरराष्ट्रीय युनिवर्सिटी त नहि मुदा भागलपुर मे बिहार क चारिम केंद्रीय विश्वविद्यालय खुलबाक बाट साफ  भ गेल अछि। बिहार क चारिम केंद्रीय विश्वविद्यालय भागलपुर मे विक्रमशिला केंद्रीय विश्वविद्यालय होएत। एहि यूनिवर्सिटी लेल जमीन चिन्हित करबाक कार्रवाई शुरु क देल गेल अछि। एहिआलोक मे भारत सरकार आगू क कार्रवाई करैत राज्य सरकार कए जमीन चिन्हित करबा लेल कहलक अछि। केंद्र स पत्र भेटलाक बाद शिक्षा विभाग क अपर सचिव सेंथिल कुमार तत्काल भागलपुर क जिलाधिकारी कए पत्र लिख 10 दिन क भीतर कम स कम 500 एकड भूमि चिन्हित करबा लेल कहलथि अछि। भूमि चिन्हित क विभाग कए सूचित करबा क गप जिलाधिकारी सेहो स्वीतकार करैत छथि। केंद्र क निर्देश पर शिक्षा विभाग जिलाधिकारी कए इ पत्र लिखलक अछि। उल्लेाखनीय अछि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 18 अगस्त, 2015 कए आरा मे घोषणा केने छलाह जे भागलपुर मे प्राचीन विक्रमशिला विश्वविद्यालय क स्थान पर नव केंद्रीय विश्वविद्यालय क स्थापना कैल जायत। प्रधानमंत्री क सवा लाख करोड क पैकेज मे सेहो एहि विश्वविद्यालय क स्थापना लेल 500 करोड बजट क प्रावधान अछि। मुदा सवाल उठैत अछि जे बिहार सरकार जमीन समय स उपलब्ध करा पाउत। बिहार मे एहि स पहिने गया आ मोतिहारी मे केंद्रीय विश्वविद्यालय स्थापित करबाक कार्यवाही शुरु अछि। गया मे त पढाई सेहो शुरु अछि। जेकर शाखा पटना मे सेहो अछि, गया मे एकर अपन भवन बनबाक अछि, एखन धरि अस्थानयी परिसर मे पढाई चलि रहल अछि। दोसर दिस मोतिहारी मे एखन धरि केवल 200 एकड जमीन चिन्हित भ सकल अछि । एहि जमीन क अधिग्रहण एखन नहि भ सकल अछि। सवाल केंद्र सरकार क गति पर सेहो अछि। कृषिमंत्री के प्रयास क बावजूद राजेंद्र कृषि विश्वविद्यालय कए केंद्रीय विश्वविद्यालय बनेबाक विधेयक एखन धरि संसद स पास नहि भ सकल अछि। एहन मे इ कहिया जमीन पर आउत इ कहब त मुश्किल, मुदा जमीन क खोज शुरु भेल इ समाद उत्साह जरुर पैदा करैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments