विजय चौधरीक निर्विरोध विधानसभा अध्यक्ष बनब तय

Vijay Kumar Chowdharyपटना । 15 साल बाद एक बेर फेर दरभंगा प्रमंडल क खाता मे विधानसभा अध्यक्ष क पद आबि गेल अछि। सरायगंज स जदयू विधायक विजय कुमार चौधरी बिहार विधानसभा क नब अध्यक्ष हेताह। हुनकर नाम पर सब दलक बीच सहमति बनि गेल अछि। महागठबंधनक जदयू, राजद आ कांग्रेस चौधरी क नाम पर पहिने सहमति द देने छल। मंगलदिन राजग आ वाम मोरचा सेहो चौधरी क नाम पर सहमति द देलक। एकर बाद हिनकर  निर्विरोध अध्यक्ष चुनबाक बाट साफ भ गेल। एकर विधिवत घोषणा बुधदिन होएत। महागठबंधन दिस स मंत्री श्रवण कुमार कए सब स गप करबा लेल अधिकृत कैल गेल छल। भाजपा विधायक दल क  नेता प्रेम कुमार कहला जे चौधरी क नाम पर कोनो दिक्कत नहि अछि। रालोसपा, लोजपा आ हम सब एहि प्रस्ताव पर सहमति द देलक अछि। उल्लेखनीय अछि जे चौधरी समस्तीपुर जिलाक सरायरंजन सीट स चुनाव जीतलथि अछि । एहि स पूर्व ओ नीतीश सरकार मे मंत्री आ जदयू प्रदेश अध्यक्ष रहि‍ चुकल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments