सड़क दुर्घटना मे विधायक घायल

झंझारपुर ‬। झंझारपुर प्रखंड अंतर्गत भैरब स्थान थाना क्षेत्र क नवटोलिया र समीप एन एच ५७ क निकट राजनगर क विधायक श्री रामप्रीत पासवान सड़क दुर्घटना मे घायल भ गेलाह। श्री पासवान के माथ आ घुटना मे चोट छैन्ह। प्राप्त जानकारी अनुसार श्री पासवान पार्वती लक्ष्मी कन्या उच्च विद्यालय झंझारपुर मे आयोजित प्रधानाध्यापक क विदाई समारोह मे भाग ल आपस मधुबनी आवि रहल छलाह जाहि क्रम मे नवटोलिया एन. एच. 57 क समीप विधायक क स्कार्पियो विद्युत कार्यपालक अभियंता क वाहन से टकरा गेल।

दुर्घटना मे कार्यपालक अभियंता क वाहन चालक गणेश महतो घायल भेला आ विधायक क गाड़ी मे सवार महेंद्र पासवान, राजकिशोर पासवान, संजय कुमार घायल भेला। माननीय विधायक श्री पासवान कहलन्हि जे हुनक घुटना , हाथ मे चोट छैन्ह।हुनक चिकित्सा कोनो निजी क्लिनिक मे भेल। जख्मी चालक क इलाज अनुमंडल अस्पताल मे भेल। भैरब स्थान थाना प्रभारी श्री संतोष कुमार सिंह कहला जे मामिला क छानबीन कयल जा रहल अछि, घायल सब के अस्पताल पठाओल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments