बेरोजगार छी त आब भेटत भत्ता

पटना । बिहार मे आब बेरोजगार सब कए सरकार भत्ता देत। मंत्रिपरिषद बुधदिन एहि प्रस्ताव कए मंजूरी द देलक। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क सात निश्चय मे इ सेहो शामिल छल। बेरोजगारी भत्ता लेल सरकार 110 करोड़ खर्च करत।मंत्रिमंडल सचिवालय क संयुक्त सचिव डॉ उपेंद्रनाथ पांडेय कहला जे एकर संगहि पटना स्थित आदर्श बेउर जेल मे मोबाइल जैमर लगेबा लेल गृह विभाग कए करीब 6.50 करोड़ टका देल गेल अछि। जैमर लगेबाक काज भारत इलेक्ट्रॉनिक्स लिमिटेड (बीईएल) करत।

त्रिस्तरीय पंचायत प्रतिनिधि  क नियत भत्ता लेल सेहो 259 करोड़ क मंजूरी देल गेल। आब जिला परिषद क अध्यक्ष आ उपाध्यक्ष, पंचायत समिति क प्रमुख आ उप-प्रमुख, ग्राम पंचायत क मुखिया आ उप-मुखिया, ग्राम कचहरी क सरपंच आ उप-सरपंच कए नियत भत्ता भेटत। जिला परिषद अध्यक्ष कए प्रतिमाह 12000 , जिला परिषद उपाध्यक्ष कए 10000 , प्रमुख कए 10000, उप-प्रमुख कए 5000 , मुखिया कए 2500 , उप-मुखिया कए 1200 , सरपंच कए 2500  आ उप-सरपंच कए प्रति माह 1200 टका नियत भत्ता भेटत। जिला परिषद क सदस्य कए प्रति माह 2500 , जखनकि ग्राम पंचायत क वार्ड सदस्य आ ग्राम कचहरी क पंच कए सेहो प्रत्येक माह 500 टका नियत भत्ता भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments