एक संग पूरा भेल दू गोट सपना

मुख्य समदिया
पटना । कहियो बिहार में गंगा पर दूटा पुल छल आ आइ एक दिन मे दूटा पुल चालू होइत देखबा लेल भेटल। बिहारक विकास क बाट केतबा चिक्कन आ सुगम भ रहल अछि इ एहि समाद स बुझबा मे आबि रहल अछि। रविदिन भोजपुर इलाका क वर्षों पुरान दू गो सपना एक संग पूरा भेल। गंगा नदी पर बनल आरा-छपरा पुल (वीर कुंवर सिंह सेतु) आ दीघा-सोनपुर पुल (जेपी सेतु) क एप्रोच रोड बिहार क जनता कए समर्पित कैल गेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद क जन्मदिन पर इ लोकार्पण केलथि।
मुख्यमंत्री सचिवालय स्थित संवाद में आयोजित कार्यक्रम मे नीतीश कहला जे एहि पुल क लोकार्पण स गांधी सेतु पर दबाव कम होएत आ ओकर जीर्णोद्धार क काज शुरू भ सकत।
नीतीश कहला जे गंगा नदी पर और पुल क निर्माण भ रहल अछि। दीदारगंज-बिदुपुर तक छह लेन क पुल  आ बख्तियारपुर-ताजपुर क बीच पीपीपी मोड मे पुल निर्माण संगहि सुल्तानगंज स आगवानी घाट तक पुल सेहो बनि रहल अछि।
ओ कहला जे जखन सोनपुर रेल पुल क निर्माण भेल त हुनका केंद्र निमंत्रित नहि केलक जखन कि पुल निर्माण क प्रयास हुनके माध्यम स भेल छल। नीतीश कहला जे ओ हम त रेलपुल क प्रयास केने रही मुदा लालू जी रेल संग सडक पुल क सेहो प्रयास केलथि। आइ जे पुल लोकार्पित भेल अछि ओ लालू जी देन छी।
मुख्यमंत्री कहला जे आरा-छपरा पुल निर्माण मे सेहो बहुत समस्या ढार भेल, मुदा बाट निकालल गेल।  गंगा नदी क धार पर 400 मीटर क पुल बनल। ओ कहला जे दीघा-सोनपुर क जे एप्रोच रोड बनल ओ पूरा ट्रैफिक कंट्रोल नहि करत। एकरा लेल अलग स एलिवेटेड एप्रोच रोड बनि रहल अछि। बेली रोड स 49 रास्ता निकलैत अछि एहन मे लोहिया पथचक्र क निर्माण भ रहल अछि। राजापुर दिस जरुरत भेला पर पुलों-फ्लाइओवर क निर्माण होएत।
उपमुख्यमंत्री तेजस्वी प्रसाद यादव ने कहला जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क नेतृत्व, कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी आ राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद क मार्गदर्शन मे विकास क काज भ रहल अछि। पुल निर्माण निगम क स्थापना दिवस पर अभियंता आ अधिकारी सब कए शुभकामना।  ओ कहला जे पुल क काज समय स पूरा भेल ताहि लेल मजदूर कए सबस बेसी श्रेय भेटबाक चाही। आब शाहाबाद आ मगध क क्षेत्र क लोककए दूरी कम भेल। किसान आ व्यापारी कए लाभ होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments