बिहार मे आसान भेल इलाज, सुपर स्पेशलिस्ट ईएसआईसी अस्पताल तैयार

रामबाबू
पटना । बिहारक लेल एकटा खुसी के’ खबरि अछि। बिहटा केर सिकंदरपुरमे बनि रहल भारत सरकार के’ तरफ सँ एकटा बड़का परियोजना सुपर स्पेशलिस्ट ईएसआईसी अस्पताल जल्दिए शुरू भ’ जाएत। निर्माण कंपनी रामा कंस्ट्रक्शन 170 बेड के’ जी प्लस थ्री अस्पताल बनाकS तैयार कS देलक अछि आऔर एकरा लSक निर्माण कंपनी एनबीसी आऔर ईएसआईसी 170 बेड अस्पताल टेकओवर करय लेल चिट्ठी सेहो दS देलक अछि।
निर्माण कंपनी के’ मानी त’ 170 बेड केर अस्पतालमे सभटा काज भ’ चुकल अछि आऔर जे शेष रहि गेल मेडिकल इक्यूपमेंट के’ काज अछि ओ ईएसआईसी के’  करबाक अछि। कंपनी केर जीएम मोहम्मद हामिद के’ कथन अछि कि ईएसआईसी जँ चाहय अस्पताल के’ शुरू कS सकैत अछि। कंस्ट्रक्शन कंपनी के’ तरफ सँ सभटा काज पूरा कएल जा चुकल अछि। ओ स्पष्ट कएलक कि जनरल ओपीडी,आईसीयू, इमरजेंसी, डॉक्टर्स रूम, नर्स रूम, एक्स – रे रूम आऔर रिसेप्शन सभ बनिकS तैयार अछि। सगरो स्थान पर फर्नीचर सँ लSक फिनिसिंग धरि के’ सभ काज  पूर कS लेल गेल अछि। खाली बिजली के’ कनेक्शन शेष अछि जे 33 केवीए लाइन भेटितहि सेहो पूरा कS लेल जाएत।
निर्माण कार्यमे लागल रामा कंस्ट्रक्शन कंपनी केर प्रोजेक्ट मैनेजर सुनील कुमारक कथन अछि कि बाकि बाँचल काज जाहिमे 330 बेड के’ अस्पतालकें संगहि सँग मेडिकल कॉलेज ,डॉक्टर्स क्वार्टर, हॉस्टल आऔर अन्यान्य निर्माण काज सेहो प्रगति पर अछि जे अगिला पाँच महीनामे पूरा कS लेल जाएत।
सोचय बला बात अछि कि सूबे केर नियोजित मजदूर सभकें लेल बिहटाक सिकन्दपुरमे बनि रहल 500 बेड केर सुपर स्पेशलिस्ट ईएसआईसी मेडिलक कॉलेज एन्ड हॉस्पीटल के’ पूरा कS 2011 नवंबर मे’ हैंडओवर करबाक छलनि आऔर 2012 सँ अहिमे इलाज आऔर पढ़ाई शुरू होयबाक छलै मुदा निर्माण कम्पनी सभक देरीक कारण उचित समय पर काज पूरा नहि कएल जा सकल। बादमे एनबीसीसी काजमे भ रहल देरी के’ कारण 2017 मे निर्माण कंपनी के’ बदलि देल गेल आऔर प्रतिभा कंस्ट्रक्शन केर स्थान ईएसआईसी अस्पताल के’ काज रामा कंस्ट्रक्शन केर जिम्मा द’ देल गेल ततपश्चात  10 महीनाक भीतरहि रामा कंस्ट्रक्शन 170 बेड केर अस्पताल तैयार कS लेलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments