रामायण एक्सप्रेस क टिकट बुकिंग शुरू

मधुबनी।  भारतीय रेल श्री रामायण एक्सप्रेस क नाम से  एक नव  ट्रेन क परिचालन १४ नवंबर सँ शुरू करय जा रहल अछि ।आठ सय यात्री क क्षमता युक्त एहि ट्रेन क टिकट बुकिंग शुरू भ गेल अछि।पहिल दिन छ यात्री टिकट बुकिंग करौलनि अछि। भारतीय रेल क एक पदाधिकारी एहि संबंध मे कहलनि जे एखन जानकारी नहि भेलाक कारणे बुकिंग कम भेल आछि, जानकारी भेला पर यात्रीगण एकर लाभ उठौताह।
रेल विभाग भगवान श्री सीताराम के भक्त केँ ई ट्रेन क उपहार दय रहल अछि ।एहि ट्रेन क परिचालन अयोध्या से जनकपुर क यात्रीक सुबिधा क लेल  होयत। सद्य: प्राप्त सूचना अनुसार भारतीय रेल यात्री लोकनि केँ श्रीलंका भ्रमण क विकल्प सेहो देबय जा रहल अछि। रेलवे सूत्र क अनुसार एहि ट्रेन क ठहराव राम सीता सँ जुड़ल जगह सब पर होयत। आठ सय  यात्री क क्षमतायुक्त ई ट्रेन १४ नवंबर केँ दिल्ली क सफदरजंग स्टेशन सँ यात्रा प्रारंभ कय अयोध्या, हनुमान गढ़ी, रामकोट,कनक भवन मंदिर तक यात्रा क  पहिल चरण पूरा करत। एतय से चलला बाद रामायण एक्सप्रेस नंदीग्राम, सीतामढ़ी, जनकपुर, वाराणसी,प्रयाग, श्रृंगवेरपुर, चित्रकुट, नासिक, हंपी आ रमेश्वरम तक जायत। एहि यात्रा क किराया १५१२० टाका प्रति व्यक्ति राखल गेल अछि। जे यात्री श्रीलंका मे रामायण सँ संबंधित स्थल सबहक दर्शन करय चाहता,हुनका  चेन्नई सँ विमान सुविधा उपलब्ध कराओल जयतैन्ह। पाँच दिन आ छ रातिक श्रीलंका के टूर पैकेज मे कैंडी,नुवारा,एलिया, कोलंबो,नेर्गोवो इत्यादि जगहक यात्रा के आनंद यात्रीगण उठौताह।
प्राप्त जानकारी,जे यद्यपि प्रर्याप्त नहि अछि, रेलवे भारत आ श्रीलंका मे अलग अलग सोलह दिन क यात्रा पैकेज उपलब्ध कराओत जेकर संचालन आई आर सीटीसी करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments