राष्ट्रीय राजधानी मे बिहार क तेसर गेस्टहाउस, 18 महीना मे पूरा होएत सदन के काज

दिल्ली क द्वारका इलाका मे दू एकड़ मे बनत दस मंजिला बिहार सदन, मुख्यमंत्री केलथि शिलान्यास

नई दिल्ली । बिहार क मुख्यमंत्री नितीश कुमार बुध दिन द्वारका क सेक्टर 19 मे ‘बिहार सदन’ क शिलान्यास केलथि। ई भवन 18 महीना मे बनि कए तैयार भए जाएत । दू एकड़ मे बनयवला ई भवन दिल्ली मे 1960 क दशक मे बनल “बिहार भवन” आ 1980 क दशक मे बनल “बिहार निवास” क बाद राज्यक तेसर गेस्ट हाऊस होएत। सीएम कहलथि जे ‘बिहार सदन’ आधुनिक आ प्रगतिशील बिहारक छवि प्रस्तुत करत । एहि भवन क निर्माण सँ दिल्ली मे प्रवास क क्रम मे जनप्रतिनिधि, अधिकारी आ बिहारक लोक सबकए सुविधा हेतनि ।

बिहार सदन मे बेसमेंट आ भूतल क अलावा दस फ्लोर रहत । एहि मे 118 कमरा रहत । आ एहिमे 89 डबल बेडरूम, 19 सिंगल बेडरूम, 8 वीआईपी सुईट आ दू टा वीवीआईपी सुईट रहत ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments