बहुरत बिहार क्रिकेटक दिन

मधुलता मिश्रा

नई दिल्‍ली । बिहार क क्रिकेट प्रेमी आओर खिलाड़ी सभक लेल एक टा खुशखबरी अहि । सुप्रीम कोर्ट बीसीसीआई कए निर्देश देलक जे ओ बिहार क्रिकेट एसोसिएशन कए रणजी आओर आन मैच खेलबाक सहमति दिए । कोर्टक कहनाइ अहि जे, ई अंतरिम आदेश क्रिकेट क भलाई लेल जरूरी छल ।

सुप्रीम कोर्ट क मुख्य न्यायाधीश दीपक मिश्रा कहलथि जे बिहार 70 क दशक से क्रिकेट खेलि रहल अहि । पहिने खेल आरंभ हेबाक चाही बाद मे विवाद निपटायल जाएत । कोर्ट साफ-साफ कहलक जे ई अंतरिम आदेश दाखिल याचिका पर नहि ,बल्कि क्रिकेट क भविष्य लेल देल गेल अछि ।

17 साल पहिने बिहार अओर झारखंड क बटवारा क बाद बिहार मे क्रिकेट बंद अछि । बीसीसीआई झारखंड मे इंफ्रांस्ट्रकचर क देखैत खेलबाक सहमति देने छल आओर बिहार पर रोक लगौने छल ।

बीसीसीआई दिस से बिहार क्रिकेट संघ पर पाबंदी क कारण क्रिकेट संघक विवाद सेहो रहल अहि । लालू यादव आओर कीर्ति आजाद क नेतृत्व मे क्रिकेट एसोसिएशन ऑफ बिहार क आपसी विवादक चलते मामला कोर्ट मे चलि गेल छल ।

एखन धरि बिहारक बच्चा सब झारखंड एसोसियशने से क्रिकेट खेलैत छलाह । सुप्रीमकोर्ट क फैसला क बाद आब बिहार क्रिकेट टीम रणजी, देवधर आओर दिलीप ट्रॉफी सेहो खेलि सकताह ।

एम्‍हर ,बिहार क पूर्व डिप्टी सीएम आओर पूर्व खिलाड़ी तेजस्वी यादब सुप्रीम कोर्ट क एहि फैसला पर खुशी जाहिर केलथि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here