फेर बिहारी भेला टाटा, पटना मे खुलत टीसीएस क कॉल सेंटर

पटना । टाटा ग्रुप एक बेर फेर बिहार मे निवेश करबा लेल आगू आयल अछि। टाटा ग्रुपक आइटी कंपनी टीसीएस करीब 100 करोडक निवेश बिहार मे क रहल अछि। कोनो पैघ आइटी कंपनीक बिहार मे इ पहिल निवेश अछि। टाटा ग्रुप क एहि निवेश स नहि केवल स्थानीय स्तर पर एहि क्षेत्र मे विकास होएत, बल्कि राज्य मे निवेशक माहौल सेहो बनत। टाटा ग्रुपक एहि निवेश स सरकारक आर्थिक दशा मे सेहो सुधार एबाक उम्मीद छै।
बिहार क युवा लेल इ एकटा सुखद समाद अछि। आब कॉल सेंटर मे काज करबा लेल हुनका बिहार स बाहर जेबाक मजबूरी नहि रहत। अपन राज्य मे रोजगार भेटबाक इ समाद युवा कए काजक प्रति नव उत्साह देत।
पटनाक पाटलिपुत्र औद्योगिक परिसर मे कंपनी अपन विशाल आधारभूत संरचना ढार करत। जाहि मे करीब 4 हजार स बेसी लोक कए सीधा रोजगार भेटत। एहि परियोजनाक शिलान्यास 10 मई कए केंद्रीय आइटी मंत्री रविशंकर प्रसाद करताह।
शुरुआत मे एहि ठाम एक हजार सीट होएत। इ सेंटर तीन पाली मे काज शुरु करत। एहि प्रकार शुरुआत मे 3 हजार युवा कए एहिठाम प्रत्यक्ष नौकरी भेटत। एकर अलावा अन्य क्षेत्र कए मिला कए कुल एक हजार लोक एहि ठाम रोजगार पाउत। जाहि मे स्थानीय लोक कए नौकरी भेटब तय मानल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें