100 अरब डॉलर क पूंजी बला पहिल भारतीय कंपनी बनल टीसीएस

अजय धारी सिंह

मधुबनी: आईटी सेक्टर क दिग्गज कंपनी टाटा कंसल्टेंसी सर्विसेज (टीसीएस) सोमदिन इतिहास रचि देलक । दिनक कारोबार मे पहिल बेर कोनो भारतीय कंपनी क पूंजीकरण 100 अरब डॉलर क पार पहुँचि गेल। एहि आंकड़ा कए पार कए टीसीएस शेयर बाजार मे इतिहास बनेनिहार पहिल कंपनी बनि गेल । उद्योग जगत क दिग्गज लोक सब कंपनी क एहि उपलब्धि पर बधाई देलखिन । सोमदिन बीएससी पर भोरे भोर कंपनी क शेयर मे 4% क तेजी देखल गेल मुदा इंट्रा-डे ट्रेडिंग आधार पर कंपनी क शेयर मे कुल 2% क तेजी देखल गेल आ ओ 3,577 टका क स्तर पर पहुँच गेल । एकरा संगे कंपनी क बाजार पूंजीकरण सेहो 6,78,002 लाख करोड़ क आंकड़ा पर पहुँचल । एहि स पहिने टीसीएस क शेयर क दाम शुक्रदिन 7% मजबूत भेल छल । 100 करोड़ डॉलर क कंपनी बनला पर टीसीएस क चेयरमैन एन चंद्रशेखरन कहलाह जे बड्ड दिन स एहि दिनक आस देखैत छलौं’। अई मजबूती सँ कंपनी के निवेशक के सम्पति एक दिन में 40,000 करोड़ टका बढ़ि गेल । जनवरी सँ मार्च 2018 धरि एकटा बड़का प्रोजेक्ट हाथ मे एला सँ कंपनीक पिछला वित्तिय वर्ष मे सबसँ बेसी शुद्ध लाभ भेल । टीसीएस कंपनी बृहस्पति दिन शेयर बाजार बंद भेलाक बाद वित्त वर्ष 2017-18 क अपन रिजल्ट घोषित केने छल । तखन कंपनी दिस सँ 6,904 करोड़ क शुद्ध लाभ क ऐलान कैल गेल छल। कंपनी क पिछला वित्त वर्ष मे 32,075 करोड़ टकाक ऑपरेशनल लाभ भेल छल जे वित्त वर्ष 2016-17 क तुलना मे 8.2% बेसी छल। ओना अई सँ पहिने 2007 मे रिलाइंस इंडस्ट्री 100 अरब पार करय बला पहिल कंपनी बनल छल मुदा बाद मे ओकर पूंजीकरण घटि गेल रहय ।

एहि क संगे कंपनी दुनिया क 100 अरब डॉलर क पूंजीकरण बला 63 कंपनी क एलीट ग्रुप मे आबि गेल । 128 देश क जीडीपी से बेसी अछि टीसीएस क मार्केटकैप । पाकिस्तान क कोनो स्टॉक एक्सचेंज (पीएसइ) मे लिस्टेड सब कंपनी सँ बेसी छैक । 1 डॉलर में 116.08 टा पाकिस्तानी रुपैया अबैत छै । अई लिहाज सँ जोड़ल जाय त 559 लिस्टेड कंपनीक शेयर कए मार्केटकैप 80 अरब डॉलर (9,32,589 पाकिस्तानी रुपैया) होएत अछि । टीसीएस क मार्केटकैप पाकिस्तान स्टॉक एक्सचेंज (पीएसइ) क कुल मार्केटकैप सँ 25% बेसी अछि । ओना दुनिया क सबसँ बेसी पूंजीकरण बला कंपनी मे एप्‍पल (840 अरब डॉलर), गूगल क अल्फाबेट (746.03 अरब डॉलर), माइक्रोसॉफ्ट (731 अरब डॉलर), फेसबुक (482अरब डॉलर) सनक कंपनी अछि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments