निपाह वायरस क खतरा स ताड़ी आ नीरा उत्पादन पर रोक

मधुबनी  । जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक क अध्यक्षता मे.समाहरणालय अवस्थित सभागार मे निपाह वायरस से संबंधित बैसक क आयोजन कयल गेल। बैसक मे स्वास्थ्य विभाग द्वारा जारी सुझाव क आलोक मे नीरा आ ताड़ी क उत्पादन संबंधित काज के स्थगित रखवा क निदेश स ब पदाधिकारी के देल गेल ।नीरा उत्पादन, प्रशिक्षण कार्य पर सेहो रोक रहत।  ध्यातव्य अछि जे नीरा उत्पादन से संबंधित प्रशिक्षण हेतु जीविका क 7 उत्पादक समूह क गठन कयल गेल अछि जे सात विभिन्न जगह.  यथा झंझारपुर, राजनगर , लखनौर,विस्फी आदि जगह पर विक्री  आ एकरा प्रति जागरुकता उत्पन्न करबा हेतु स्टाल लगाओल गेल छल। निपाह वा़यरस क खतरा क दृय्टियेँ स्वास्थ्य विभाग क सलाह पर अगिला आदेश तक ई रोक रहत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments