सुंदर पिचाई कए एहि हफ्ता भेटत 2,500/- करोड़ क अवार्ड

अजय धारी सिंह

मधुबनी । ब्लूमबर्ग क एक टा समादक मुताबिक, बुध दिन 2014 मे प्रमोशन सँ पहिने सुंदर पिचाई कए भेटल 3,53,939 रिस्ट्रिक्टेड शेयर क अवार्ड वेस्ट क सकैत छैथ । एकर मतलब ई भेल जे गूगल क पैरेंट कंपनी अल्फाबेट इंक मे प्रोमोशन सँ पहिने भेटल शेयर्स क आब सुंदर पिचाई बेचि सकैत छथि । हम अपन पाठक कए बताबए चाहब जे रिस्ट्रिक्टेड शेयर क एकटा नियत समय क बादे बेचल जा सकैत अछि । एहि शेयर क दाम 2,500/-(380 मिलियन डॉलर) क करीब अछि ।

एहि से पहिने यु-ट्यूब मे गोलीबारी क लए कए भारतीय मूल कए गूगल क चीफ एग्जीक्यूटिव सुंदर पिचाई गूगल क कर्मचारी लोकैन के सेहो एक टा भावुक चिट्ठी लिख चुकल छलाह । यु-ट्यूब क पैरेंट कंपनी गूगले अछि । कर्मचारी क देल गेल मेल मे पिचाई लिखने छलाह जे यु-ट्यूब मे भेल गोलीबारी ‘अकल्पनीय त्रासदी’ अछि । पिचाई कहलखिन जे हम जनैत छि की अहाँ सभ मे स बहुतो लोक अखनो सदमा में छी । हमर गूगल परिवार क एहि ‘अकल्पनीय त्रासदी’ सँ निकलबा लेल हमर समर्थन भेटैत रहत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments