छात्रावृत्ति लेल छात्र बेहाल

पटना । प्रदेश सरकार क जन-कल्याणकारी योजना पर पदाधिकारी लोकनिक उदासीनता क कारणे लाभुक परेशान छथि। जिला सब मे छात्रावृत्ति क राशि खाता मे उपलब्ध रहलाक बादो छात्र लोकनि कार्यालय सबहक चक्कर लगा रहल छथि। जिला कल्याण पदाधिकारी लोकनिक ई उदासीनता राज्य सरकार क छवि धूमिल करने रहल अछि। प्रर्याप्त राशि सरकारी खाता मे उपलब्ध रहला के बावजूद आवंटन समय से नहि भ रहल छैक।
बांका, नवादा, खगड़िया, गया, गोपालगंज आदि जिला सब में छात्र जिला मुख्यालय क चक्कर काटि रहल छथिआ सरकार पर कुपित भ रहल छथि। छात्रवृत्ति बाँटबा में हील हवाला क देखैत जिला कल्याण पदाधिकारी सब से स्पष्टीकरण मांँगल गेल अछि आ एकर अतिरिक्त दस जिला कल्याण पदाधिकारी के मुख्यालय बजाओल गेल अछि। एहि सबहक पोल  मुख्यालय क समीक्षा मे  उजागर भेल। बैसक मे छात्र की दुर्व्यवहार क शिकायत सेहो भेटल। एहन जिला कल्याण पदाधिकारी सब के मुख्यालय बजाओल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments