बिहारक सोनम देलथि हरियाणा कए पटकनी

Dangalसहरसा । खगड़िया मे आयोजित भेल आठ दिवसीय गौशाला मेला मे केसरी नंदन व्यायामशाला दिस स पांच दिवसीय दंगल क आयोजन संपन्न  भेल । दंगल मे महिला पहलवान अपन कुश्ती क दांव-पेंच अजमेलथि। दंगल मे बिहार समेत दिल्ली, हरियाणा क महिला पहलवान शिरकत केलथि। दंगल क पहिल मुकाबला दिल्ली क पूनम आ हरियाणा क सपना क बीच भेल, जाहि मे दिल्ली क पूनम विजयी रहलीह। दंगल क एकटा अन्य मुकाबला मे बिहार क सोनम आ हरियाणा क सपना क बीच मुकाबला भेल, जाहि में बिहार क सोनम जीत दर्ज केलथि। महिला दंगल कए देखबा लेल हजार स बेसी लोक छल। विजेता कए बाद मे पुरस्कार द सम्मानित कैल गेल ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments