21 कए सहरसा मे जुटताह सोशल मीडियाक दिग्‍गज

दोसर सोशल मीडिया मीट मे लोक होएत सम्‍मानित
फेसबुक ग्रुप ‘’सहरसा’’ क परिकल्‍पना उतरल धरातल पर

सहरसा । पिछला साल जेंका एहि साल सेहो सोशल मीडिया आ साहित्‍य क दिग्‍गज क जुटानी सहरसा मे होएत । फेसबुक पर बनल सहरसा ग्रुप क परिकल्‍पना पिछले साल जेंका एहि साल सेहो सफल होएत । साहित्‍य आ सोशल मीडिया क एहि जुटानी मे सहरसा क बहुत रास कवि, साहित्‍यकार आ सोशल मीडिया क दिग्‍गज एक ठाम बैसताह। जेकरा आभासी दुनियाँ में जनैत छी ओकरा स सोझा साक्षात्‍कार होएत।

21 अगस्‍त कए सहरसा क स्‍थानीय रेड क्रॉस सभागार में फेसबुक पर बनल सहरसा ग्रुप क  सभ गोटे एक ठाम बैसत आ साहित्‍य क रसमंजरी संगे सोशल मीडिया क उपयोगिता पर चर्चा होएत। सहरसा ग्रुप क एडमिन कुमार रविशंकर क ई परिकल्‍पना छल जे पिछला दू साल से धरातल पर उतरि रहल अछि। एहि सोशल मीडिया मीट मे मुख्‍य अतिथि‍ क रूप ‘’परिकल्‍पना’’ क संस्‍थापक आ निदेशक रविन्‍द्र प्रभात छथि‍ । संगे एहि मीट मे सथानीय कवि आ मीडिया आ साहित्‍य क लोग आउताह।

कार्यक्रम क रूपरेखा बताबैत एडमिन रविशंकर बतेलथि‍ जे एहि कार्यक्रम मे सोशल मीडिया क उपयोगिता पर चर्चा संगे विभिन्‍न प्रकार सांस्‍कृतिक कार्यक्रम होएत। संगे स्‍थानीय साहित्‍य, मीडिया आ सोशल मीडिया क किछु गोटे कए सम्‍मानित कैल जाएत ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments