उपलब्ध अछि स्मार्ट कार्ड आॅनर बुक

मधुबनी। परिवहन विभाग, विहार, पटना आ जिला पदाधिकारी, मधुबनी क निदेशानुसार आब ओ सब वाहन मालिक आ ड्राइविंग लाइसेंस धारक जिनका सबकेँ पेपर मोड क आॅनर बुक आ लाइसेंस छन्हि,ओ नियमानुसार जिला परिवहन कार्यालय, मधुबनी क काउंटर से स्मार्ट कार्ड ( प्लास्टिक कोटेड) आॅनर बुक आ ड्राइविंग लाइसेंस प्राप्त क सकैत छथि। एहि संबंध मे डीटीओ श्री सुजित कुमार कहलनि जे आब पेपर मोड क स्थान पर स्मार्ट कार्ड क उपयोग कयल जायत।सब पेपर मोड वाला वाहन चालक आ मालिक के स्मार्ट कार्ड तैयार कयल गेल अछि जे काउंटर पर उपलब्ध अछिजे नियमानुसार प्राप्त कयल जा सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments