सीतामढ़ी क डा. गोपालजी के एहि बेर भेटत राष्ट्रीय शिक्षक पुरस्कार

0
63
रोशन मिश्रा
पटना । राष्ट्रीय शिक्षक पुरस्कार 2017 में राज्य के कोटा सिस्टम समाप्त भेलाक बाद पुरस्कृत होबयवला शिक्षक के संख्या घटि गेल अछि। 2017 के लेल सीतामढ़ी जिला के डुमरा के वनचौरी के राजकीय उर्दू मध्य विद्यालय के शिक्षक डॉ. गोपालजी के चयन भेल अछि। शिक्षा विभाग चयनित शिक्षक सबके नाम के घोषणा मंगलदिन कयलक। किछु जिला में एक सँ बेसी शिक्षक के पुरस्कार देल जायत। 5 सितंबर के राष्ट्रपति रामनाथ शिक्षक सबके 30 हजार टका के संग शॉल आ प्रसस्ति पत्र देताह। राष्ट्रीय पुरस्कार पाबयवला शिक्षक के राज्य सरकार सेहो सम्मानित करैत अछि।

Comments

comments