महिला सशक्तीकरणक प्रतीक छथि सीता : नीतीश

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे सीता महिला सशक्तीकरणक प्रतीक छथि। सीता क प्रति सबस पैघ श्रद्धा नारी सशक्तीकरण लेल काज करबा स प्रकट होइत अछि। हमर सरकार एहि लेल लगातार काज क रहल अछि। महिला कए 50 फीसदी आरक्षण देनिहार बिहार पहिल राज्य अछि। आब त केंद्र सरकार सेहो बिहारक देखा देखी इ देबा पर विचार क रहल अछि। बेटीक जन्म स स्नातक तक लेल सरकार नकद राशि उपलब्ध करा देलक अछि। बेटी कए पढबा लेल ककरो स किछु मांगबाक आब जरुरत नहि रहल। पहिने साइकिल पर लड़की कए चलैत पैघ पैघ शहर मे देखबा लेल भेटैत छल मुदा आब गाम मे सेहो इ आम भ चुकल अछि। किशोरी लेल सरकार आब सेनिटरी नैपकीन मद मे तीन सौ टका देबाक फैसला लेलक अछि। शराबबंदी सेहो एहि दिशा मे एकटा पैघ डेग साबित भेल।
मंगलदिन जानकी नवमीक अवसर पर जानकी महोत्सव क शुरुआत करैत नीतीश कहला जे जानकी नवमी पर पहिने अवकाश नहि होइत छल। हमर सरकार बनल त छुट्टी क घोषणा भेल। पुनौरा धाम भव्य अछि पावन भूमि अछि मुदा बाहरी स्तर पर जे भव्यता रहबाक चाही ओकर सरकार प्रबंध क रहल अछि। सीतामढ़ी क विकास मे कोनो टकाक समस्या नहि अछि। योजना बनाउ आ सरकार ओकरा पूरा करत। एहि पावन भूमिक विकास लेल सरकार हर संभव प्रयास करत। ओ कहला जे सीतामढ़ी मे जल्द एकटा पैघ अस्पताल क निर्माण कैल जायत।
स्वास्थ्य क क्षेत्र मे सेहो बिहार सरकार कईटा काज केलक अछि। हम कन्या शिशु मृत्यु दर कम करबा मे लागल छी। एहि स पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी कहला जे जानकी धाम मे अंतरराष्ट्रीय स्तर क सुविधा भेटत।  ओ कहला जे सीता क समय मे बाल विवाह नहि छल। दहेज नहि छल, युवक नहि बल्कि युवती लग इ अधिकार छल जे ओ केहन पति चाहैत छथि। समाज मे स दहेज आ बाल विवाह सन कूरीति मिटेबा लेल सीताक आदर्श अपनायब जरुरी अछि।
सड़क निर्माण मंत्री नंद किशोर यादव कहला जे केंद्र सरकार दूटा नव मार्ग बनेबाक निर्णय लेलक अछि। सालक अंत तक जनकपुर स सीतामढ़ी लेल सडक निर्माण शुरु भ जायत।  संगहि अयोध्या जानकी मार्ग क निर्माण सेहो भ रहल अछि। डीपीआर लगभग तैयार अछि। सभा कए भाजपा सांसद प्रभात झा सेहो संबोधित केलथि।
सीतामढ़ीक अलावा पटना, दरभंगा आ मधुबनी समेत कईटा शहर मे जानकी नवमी मनाउल गेल आ विभिन्न प्रकारक कार्यक्रम आयोजित कैल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here