पीएमसीएच मे बनत सात मंजिला भवन, परिजन सभ लेल 5000 बेड क विश्राम भवनक होयत निर्माण

डिजाइन कए स्वास्थ्य मंत्री देलथि मंजूरी, मुख्यमंत्री क सहमति क बाद प्रारंभ होएत टेंडर प्रक्रिया, जल्द शुरू होयत निर्माण कार्य

मणिभूषण राजू

पटना । पीएमसीएच क विश्वस्तर बनेबाक लेल बनल डिजाईन कए स्वास्थ्य मंत्री मंगल पाण्डेय दिस स मंजूरी भेट गेल छल । 10 मई धरि किछु बदलाव केलाक बाद 10 सँ 15 मई क बीच डिजाईन कए मुख्यमंत्री नितीश कुमार कए देखाओल जायत । मुख्यमंत्री क मंजूरी क बाद टेंडर प्रक्रिया शुरू कैल जाएत । डिजाईन गोयल ब्रदर्स तैयार केने अछि। अस्पताल मे 5000 परिजन क रहबाक लेल विश्राम गृह बनत । पहिल चरण मे 500 बेड क विश्राम गृह बनत । पहिल चरण क निर्माण नर्सिंग स्कूल आ नर्सिंग कालेज लग होएत। एहि दूनू भवन कए तोड़िकए सात मंजिला भवन बनत । पार्किंगक व्यवस्था अंडरग्राउंड रहत जखनकि ग्राऊण्ड फ्लोर पर ओपीडी आ इमरजेंसी क व्यवस्था रहत । एहि क ऊपर गाईनी, पेडिएट्रिक्स आ मेडिसिन वार्ड रहत । ओहि के ऊपर ओटी आ आईसीयू क व्यवस्था कैल जायत । ओहिक ऊपर विभागाध्यक्ष सबहक चेंबर आ अंतिम तल्ला पर सीनियर रेसिडेंट सबहक आवास बनत । पहिल चरण मे 20 ओटी बनत संगहि दू टा कैफेटेरिया क निर्माण सेहा होएत ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments