सिकंदराबाद लेल 3 नवंबर सँ चलत स्पेशल ट्रेन

रोशन मिश्रा

दरभंगा । दीपावली आ छठ में यात्रीगण के होबयवला भारी भीड़ के देखैत दक्षिण-सेंट्रल रेलवे अपन तैयारी शुरू कयलक। दक्षिण-सेंट्रल रेलवे सिकंदराबाद सँ दरभंगा अप आ डाउन दिशा में स्पेशल ट्रेन चलाबय के घोषणा कयलक। गाड़ी संख्या 07007 तीन नवंबर सँ 26 फरवरी 2019 तक सब मंगलदिन आ शनिदिन के सिकंदराबाद सँ राति 10 बजे दरभंगा लेल रवाना होयत आ वैह गाड़ी संख्या 07008 6 नवंबर सँ 26 फरवरी 2019 तक सप्ताह में दू दिन शुक्र आ मंगलदिन भोरे 5 बजे दरभंगा सँ सिकंदराबाद लेल रवाना होयत।
एहि ट्रेन में सेकेंड एसी, थर्ड एसी सहित स्लीपर आ सामान्य कोच सेहो रहत। एहि के जानकारी दक्षिण सेंट्रल रेलवे के आफिसियल ट्विटर एकाउंट सँ देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments