कोचाधाम मे खुलत राज्यक दोसर फिशरीज कॉलेज

पटना । राज्यक दोसर फिशरीज कॉलेज किशनगंज क कोचाधाम मे खुलत। सरकार एकरा लेल सहमति द देलक अछि। इ कॉलेज पशु विज्ञान यूनिवर्सिटी स संबंद्ध होएत आ एकर स्थापना मे पचास करोड टका खर्च होएत। पशु आ मत्स्य पालन मंत्री अवधेश कुमार सिंह कहला अछि जे मानसून सत्र क दौरान एहि संबंध मे विधेयक पेश आ पारित करा लेल जायत।
एहि कालेज लेल चालिस एकड जमीन क व्यवस्था कैल गेल अछि।  जहि मे 15 गोट कक्षा क संगहि चार गोट पोखरि आ एकटा हैजरीक निर्माण कराउल जाएत। एहि ठाम 18-19 सत्र स पढाई शुरू भ जेबाक उम्मीद अछि। उल्लेखनीय अछि जे मुजफ्फरपुर क टोली मे राज्य क पहिल फिशरीज कॉलेज स्थापित अछि। मुदा डॉ राजेंद्र प्रसाद केंद्रीय कृषि विश्वविद्यालय क हिस्सा रहबाक कारण इ कॉलेज आब केंद्र सरकारक अधीन चल गेल अछि। एहन मे राज्य सरकार लग एखन कोनो फिशरीज कॉलेज नहि अछि। एहि कॉलेज कए खुलला स राज्य मे माछ क उत्पादन बढत।
जानकारी क  अनुसार नियमित सत्र शुरू हेबा स पूर्व एहि ठाम रिसर्च सेंटर क स्थपना होएत। एहि कॉलेज लेल कुल 18 गोट शिक्षकक पद सृजित कैल गेल अछि। कुल 50 गोट पदक सृजन कैल गेल अछि। एक बैच मे कुल 60 गोट छात्र क नामांकन होएत।
सरकारी दस्तावेज क अनुसार राज्य मे कुल 112 हैचरी अछि। बिहार मे करीब डेढ लाख टन माछ क आयात होएत अछि जखन कि राज्य मे प्रति व्यक्ति उपलब्धता राष्ट्रीय औसत लगभग 9 फीसदी से कम 8 फीसदी क आसपास अछि।  इ स्थिति तखन अछि जखन राज्य मे 93 हजार हेक्टेयर मे पोख्रि, 9 लाख हेक्टेयर मे आद्र भूमि, 25 हजार हेक्टेयर मे जलाशय, 9 हजार हेक्टेयर मे मन आ 32 सौ किमी मे नदी गुजरैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments