एससी-एसटी, ईबीसी युवा सबके यात्री वाहन खरीदय लेल भेटत 1 लाख तक के सब्सिडी

हर पंचायत में 3 एससी-एसटी आ दू ईबीसी युवा के भेटत लाभ
रोशन मिश्रा
पटना । राज्य में एससी-एसटी आ अन्य पिछड़ा वर्ग के युवा के यात्री वाहन खरीदय लेल 1 लाख तक अनुदान भेटत। मंगल दिन कैबिनेट मुख्यमंत्री ग्राम परिवहन योजना के मंजूरी देलक। एहि सँ पंचायत सँ प्रखंड मुख्यालय तक यात्री सबके परिवहन के नीक सुविधा भेटत। मुख्यमंत्री नितीश कुमार 15 अगस्त के एकर घोषणा कयने छलथि। हरेक पंचायत में पाँच वाहन खरीद लेल सब्सिडी भेटत। लाभुक के चयन लेल बीडीओ के अध्यक्षता में कमिटी के गठन कयल गेल। कैबिनेट विभाग के प्रधान सचिव अरूण कुमार सिंह कहलथि कि एससी-एसटी आ ईबीसी युवा सबके प्रत्येक पंचायत में भाड़ा पर चलाबय लेल यात्री वाहन कीनय लेल वाहन के कीमत के 50 प्रतिशत वा 1 लाख अधिकतम अनुदान भेटत। हरेक पंचायत में एससी-एसटी के तीन आ ईबीसी के दू टा युवा के 4 सँ 10 व्यक्ति के बैसयवला वाहन के लेल अनुदान भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments