मल्लाह, निषाद आ नोनिया कए एसटी क दर्जा देबाक लेल केन्द्र कए भेजल गेल सिफारिश

राज्य सरकार दोसर बेर केलक अनुशंसा

मणिभूषण झा

पटना । लोकसभा चुनाव सँ पहिने राज्य सरकार फेर एकटा पैघ पहल केलक। मल्लाह आ नोनिया क संग निषाद जाति क सेहो अनुसूचित जनजाति मे शामिल करबाक लेल इथेनोग्राफिक अध्ययन रिपोर्ट क संगे केन्द्रीय जनजातीय कार्य मंत्रालय क अनुशंसा भेजल गेल अछि ।

राज्य सरकार ई कार्रवाई मुख्यमंत्री नितीश कुमार क आदेश पर कयलक । एहि सँ पहिने वर्ष 2015 मे विधानसभा चुनाव सँ पहिने राज्य सरकार मल्लाह, निषाद (बिंद, बेलदार, चाई, तीयर, खुलबट, सुरहिया, गोढ़ी, वनपर, केवट) आ नोनिया जाति कए एसटी मे शामिल करेबाक लेल पहल केने छल । तखन केन्द्रीय जनजातीय कार्य मंत्रालय राज्य सरकार सँ एहि सब जातिक इथेनोग्राफिक अध्ययन करा कए रिपोर्ट क संगे अनुशंसा पठाबय लेल कहने छल ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments