गंगेश गुंजन कए उप्र हिन्दी संस्थान क सौहार्द सम्मान

नयी दिल्ली । हिन्दी आ मैथिली क प्रसिद्ध साहित्यकार गंगेश गुंजन कए उत्तर प्रदेश हिन्दी संस्थान दिस स सौहार्द सम्मान लेल चुनल गेल अछि । उत्तर प्रदेश हिन्दी संस्थान क एक पत्रक मोताबिक गंगेश गुंजन कए साल 2016 क लेल सौहार्द सम्मान (मैथिली) प्रदान करबाक निर्णय कैल गेल अछि । पुरस्कार क तौर पर हुनका दू लाख टकाक क नगद राशि आओर प्रशस्ति पत्र प्रदान कैल जाएत । आकाशवाणी से सेवानिवृत्त 74 वर्षीय गंगेश गुंजन एक दर्जन से बेसी साहित्यिक कृती क रचना कए चुकल छथि‍ । मैथिली भाषा मे हुनक कहानी संग्रह उचित वक्ता क लेल हुनका सन् 1994 मे साहित्य अकादमी पुरस्कार से सम्मानित कैल गेल छल । एहिक अलावा बिहार सरकार क प्रतिष्ठित विद्यापति पुरस्कार से सेहो हुनका सम्मानित कैल जा चुकल अछि । मैथिली मे हुनकर अन्हार इजोत (कथा-संग्रह), पहिल लोक (उपन्यास), हम एकटा मिथ्या परिचय, (दीर्घ कविता), लोक सुनू (कविता संग्रह), बुधिबधिया, आइ भोट (नाटक) नामक रचना प्रकाशित भए चुकल छथि‍ । ओतहि हिन्दी में शब्द तैयार है (कविता संग्रह) प्रकाशित भेल अछि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments