इनफिनीटी वार मे कुदल Samsung

बाज़ार क प्रतिस्‍पर्धा क देखैत विश्‍वक नामी कंपनी सैमसंग इंडिया सेहो इनफिनीटी डिसप्‍ले क वार मे कुदि गेल अछि । आब सैमसंग सेहो अपन इनफिनीटी डिसप्‍ले बला फोन सब मार्केट मे उतारि देने छल । ओहि मे सबसे बेसी लोकप्रिय जे फोन अछि ओ अछि Samsung J6, A6, A6+, एहि फोन मे सैमसंग नहि केवल कम बज़ट मे फिंगरप्रिंट देने अछि बल्‍कि रैम, रोम आ इनफिनीटी डिसप्‍ले सेहो देने अछि ।

सैमसंग क J6 फोन जतय 3GB आ 4GB रैम मे उपलब्ध अछि ओ‍तहि रैम सेहो 32 आ 64GB अछि । डिसप्‍ले इनफिनीटी आ लूक ग्‍लासी अछि । हैंडसेड पॉछा क लूक गज़ब क अछि । फिंगरप्रिंट सेहो एहि फोन मे सभ फोन जेंका गोल नहि भए कए चौकौर अछि जे एकरा पांछा स आर हैंडसम लूक दैत अछि । एहि फोनक नम्‍हर डिस्‍प्‍ले आ स्‍लीक फ्रेम एकर पकड़ आ आर नीक जेंका रखैत अछि । एकर मोटाई 8.2 मिलीमीटर अछि । सबसे खास गप ई जे एकर रियर पैनल पर आंगुरक निशान नहि पड़ैत अछि ।

एकर एक्‍सीनॉस 7870 प्रोसेसर सबसे बेसी निराश करैत अछि । आन एमटीके आ स्‍नैपड्रेगन प्रोसेस स बड्ड बेसी स्‍लो अछि । कनेक्टिविटी फीचर मे 4जी वीओएलटीई शामिल अछि । वाई-फाई, ब्लूटूथ 4.2, जीपीएस, 3.5 एमएम हेडफोन सॉकेट आओर एफएम रेडियो सेहो फोन मे मौजूद अछि । गैल्‍केसी क आन फोन जेंका एहि फोन मे खाली प्रॉक्सिमिटी सेंसर आाओर एक्सेलेरोमीटर अछि । एंबियंट लाइट सेंसर वा जायरोस्कोप नहि अछि । एंबियंट सेंसर नहि रहबाक कारण एकरा मे डिस्‍प्‍ले लाईट क बड्ड समस्‍या अछि ।

सॉफ्टवेयर क गप करी त Samsung Galaxy J6 हैंडसेट एंड्रॉयड 8.0 ओरियो पर आधारित Samsung Experience 9.0 पर चलैत अछि । ई ओएस कंपनी क प्रीमियम हैंडसेटक हिस्‍सा अछि । डिस्‍प्‍ले पर डिफॉल्‍ट वेदर आ टॉप टाइम विजेट अछि । एहि मे सैमसंग गैलक्‍सी मॉल एप सेहो अछि जे कपड़े आ गैजेट्स क पहचान आसानी से करैत अछि ।

Galaxy J6 मे पिछला हिस्सा पर 13 मेगापिक्सल क कैमरा अछि । एहि कैमरा क इस्तेमाल Galaxy On7 Prime मे सेहो भेल अछि । एहिक अपर्चर f/1.9 अछि आओर ई एलईडी फ्लैश क संग अबैत अछि । दिनक रोशनी आ कम रोशनी, कैमरे स लेल गेल तस्वीर निराश करैत अछि । सुपर एमोलेड पैनल पर ब्लैंड कलर रीप्रोडक्शन साफ नज़ैर अबैत अछि । एहिम एचडीआर मोड सेहो अछि मुदा इहो अहॉंक कैमरा मोड मे कोनो खास सुधार नहि करैत अछि । कैमरा ऐप मे अहॉंक ब्यूटी, नाइट, प्रो आओर पनोरमा जेहन मोड भेटत जे फोटोक क्वालिटी मे पैघ सुधार नहि करत ।

फ्रंट कैमरा क सेंसर 8 मेगापिक्‍सल अछि । एहिक अपर्चर सेहो f/1.9 अछि आओर एलईडी सेल्‍फी लाईट क संग अबैत अछि । एकर एप मे 3डी स्‍टीकरर्स सेहो अबैत अछि ।

एहि फोन क खास बात एकर स्‍टैंडबाई अछि । 3000 एमएएच क बैटरी अहाँक कम लागय मुदा एकर परफॅर्मेंस जबरजस्‍त अछि । ढ़ाई घंटा मे ई अहॉंक बैटरी कए फूल चार्ज कए दैत अछि आ 14.1 घंटा क वीडियो बैकअप मोड दैत अछि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here