सकरी चीनी मिल क ४५५ सीजनल कर्मी क भेल बकाया भुगतान

मधुबनी। विहार चीनी निगम लि. क सकरी इकाई क ४५५  सीजनल कर्मी क बकाया वेतनादि क भुगतान ५ जुलाई १८ के मधुबनी समाहरणालय स्थिति सभागार मे श्री मयंक बरबरे आयुक्त, दड़िभंगा  आ जिला पदाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोक चेक क माध्यम से कयलन्हि।  ४५५ प्री आडिट सूची क विरुद्ध १३९।जीवित कर्मी क भुगतान आर टी.जी.एस क.माध्यम से लाभार्थी क खाता मे.कयल गेल। चीनी निगम लि क नौ कर्मी क प्रतिनिधि आयुक्त महोदय से चेक प्राप्त कयलन्हि।
विहार राज्य चीनी निगम लि क हस्तांतरण निजी क्षेत्र क निवेशक कए हस्तांतरित करबाक निर्णय पश्चात कर्मी सबहक भुगतान एक्जीट सेटलमेमट अंतर्गत कयल जा रहल अछि।
१३९ जीवित  सीजनल कर्मी कुल १०६१३६०८.०० आ मृत लाभार्थी क आश्रित २२९१३००.०० पओलन्हि , कुल १२९०४९०८.०० ( एक करोड़ उन्तीस लाख चारि हजार नौ सय आठ) टाका मात्र राशि क भुगतान कयल गेल।
एहि अवसर पर श्री रविशंकर. जिला योजना पदाधिकारी. मधुबनी,.श्री अघनू यादव , चीनी मिल कर्मी क प्रतिनिधि ,श्री राजेन्द्र ठाकुर, कमलेन्द्र कुमार झा सरोजानन्द झा, मो. हासिम. नारायण कामति, रवीन्द्र झा, ताहिर नदाफ , इसराइल, नथूनी महतो आदि लाभार्थी उपस्थित छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments