शहर कए चारि भाग मे बांटी मधुबनी मे चलल सफाई अभियान

मधुबनी। जिला प्रशासन मधुबनी आ रेडक्रॉस सोसायटी क तत्त्वाधान मे आई पुन: नगर क सफाई कयल गेल। शहर क थाना मोड़ क निकट विद्यापति टावर परिसर मे झाड़ू, बेलचा, कोदारि हाथ मे लए सैकड़ो नागरिक उपस्थित भेलाह आ अपन टीम लीडर क संग सफाई अभियान पर चलि पड़ला। कार्यक्रम क अगुआ रेडक्रॉस सोसायटी क अध्यक्ष जिला पदाधिकारी  शीर्षत कपिल अशोक छलाह। कार्यक्रम क शुरुआत जिला पदाधिकारी श्री कपिल अशोक, विधायक समीर कुमार महासेठ, एवं अन्य गणमान्य व्यक्ति सब द्वार विद्यापति टावर अवस्थित विद्यापति क मूर्ति पर माल्यार्पण कएल गेल। अभियान हेतु चारि टीम क गठन कय जिला पदाधिकारी क निदेशन मे प्रारम्भ भेल।
विद्यापति टावर सँ स्टेशन आ टाउन क्लब से महादेव मंदिर रूट संख्या 1 क अधीन छल जेकरा एनसीसी कैडेट्स आ प्रभारी संपन्न कयल।
रूट संख्या 2 क जिम्मा विद्यापति टावर सँ बाटा चौक, गंगासागर चौक से तिलक चौक तक छल जेकर सफाई रेडक्रॉस एवं आम नागरिक क सहयोगे संपन्न भेल।
रूट संख्या 3 क अगुवाई रेडक्रॉस क अध्यक्ष, जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक कय रहल छलाह जिनका संग विधायक समीर कुमार महासेठ, सदर अनुमंडल पदाधिकारी, रेडक्रॉस सोसायटी क सचिव डॉ गिरीश पांडेय, कार्यपालक पदाधिकारी,नगर परिषद क्लब मधुबनी क सदस्यगण,वार्ड पार्षद सब आ शहर क गणमान्य व्यक्ति सम्मिलित छलाह।
विद्यापति टावर सँ शंकर चौक भाया बाटा चौक , गिलेशन बाजार, नारियल बाजार क सफाई रूट संख्या 4 क जिम्मा छल जाहि मे इप्टा आ गणमान्य शहरी नागरिक शामिल छलाह।  सफाई अभियान मे नगर परिषद क योगदान सराहनीय छल। अभियान मे समस्त नगर वासी मनोयोग पूर्वक सहयोग कयल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments