मैथिल मंच पर सजाउल गेल ह‍िमाचली पाग

नोएडा स्टेडियम मे भेल विद्यापति स्मृति पर्व समारोह में कुंजबिहारी जी क माथ पर हिमाचली पाग  इ बता रहल छल जे ओ म‍िथिलाक संस्‍कार स वास्‍ता नह‍ि राखए चाहैत छथि, बल्कि हुनका लेल ह‍िमाचली पाग माथ पर राखब बेसी इज्‍जत वाला गप छल, मुख्‍यअत‍िथि राजनाथ सिह कए कुंज बिहारीक माथ देखा आयोजनकर्ता बता देल‍थ‍ि जे मिथिलाक पाग खसि चुकल अछि आ ओकर स्‍थान पर हिमाचली पाग उधार ल लेने छी, गौरतलब अछि जे दावा कैल जाइत रहल अछि जे इ समारोह केवल गीत नादक नह‍ि संस्‍कार बचेबा लेल सेहो आयोजित होइत अछि, एहन मे इ दावा ओहने अछि जेना दावा भेल छल जे कामनवेल्‍थ स भारतक इज्‍जत बढत मुदा भारत बेइज्‍जत भ गेल, एहन मे किछु लोकक कहब अछि जे अपन पाग अगर नह‍ि माथ पर राखि सकैत छलाह त कम स कम अनकर पाग त माथ पर स हटा सकैत छलाह, मिथिलाक एहन बेइज्‍ज्‍ती किया, पाग त इज्‍जत स जुडल वस्‍तु छी