साहित्य अकादमी क फेलो चुनल गेलाह अमरजी

नई दिल्ली । देश क अग्रणी संस्था साहित्य अकादमी प्रमुख रचनाकार चन्द्रनाथ मिश्र अमर (मैथिली), केदारनाथ सिंह (हिंदी) आ खुशवंत सिंह (अंग्रेजी) कए फेलो चुनलक अछि। अकादमी दिस स जारी विज्ञप्ति मे कहल गेल अछि जे गत शुक्रदिन साहित्य अकादमी क अध्यक्ष सुनील गंगोपाध्याय क अध्यक्षता मे आम परिषद क बैसार मे खुशवंत सिंह (अंग्रेजी), केदारनाथ सिंह (हिन्दी) आओर चंद्र नाथ मिश्र अमर (मैथिली) कए साहित्य अकादमी क फेलो चुनबाक निर्णय लेल गेल। साहित्य अकादमी क फेलो चुनाएब कोनो लेखक या लेखिका क लेल सबस पैघ सम्मान होइत अछि। एक काल मे केवल 21 गोटे कए अकादमी क फेलो चुनल जा सकैत अछि। इ सम्मान अमर साहित्य क रचयिता क लेल सुरक्षित अछि। एहि ठाम आयोजित एकटा कार्यक्रम मे बाद मे सब कए ताम्र फलक आओर शाल प्रदान करि सम्मानित कैल जाएत।