पृथक मिथिला राज्य क मांग पर प्रदर्शन

नई दिल्ली। अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति क तत्वावधान मे पृथक मिथिला राज्य क मांग कए लकए मिथिलावासी शुक्रदिन दिल्ली क जंतर-मंतर पर प्रदर्शन केलथि। प्रदर्शन मे सांसद कीर्ति झा आजाद, माहेश्वर हजारी, महाबल मिश्र, विधायक अनिल कुमार झा आ डॉ वैधनाथ चौधरी भाग लेलथि। बाद मे इ सब गिरफ्तारी सेहो देलथि। एहि दौरान प्रदर्शनकारी, भीख नहीं अधिकार चाही, हमरा मिथिला राज्य चाही, क नारा लगबैत रहलथि।
सांसद कीर्ति झा आजाद कहला जे मिथिलांचल क समस्या क हल अलग राज्य स संभव अछि। क्षेत्र कए पृथक राज्य क दर्जा भेटलाक बाद आर्थिक, सामाजिक, राजनीतिक, भाषाई आ औद्योगिक आजादी सहित बाढ़ आ सुखाड क समस्या स निदान भेटत। माहेश्वर हजारी कहला जे बिना मिथिला राज्य क मिथिलांचलक लोकक विकास संभव नहि अछि। महाबल मिश्र घोषणा केलथि जे पृथक मिथिला राज्य क लेल ओ कोनो तरह क कुर्बानी देबा लेल तैयार छथि।
अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति क अध्यक्ष वैधनाथ चौधरी कहला जे आगामी अक्टूबर-नवंबर माह मे बिहार मे विधानसभा क चुनाव हेबाक अछि। ओ मिथिलावासी क भावना क कद्र करैत राजनीतिक पार्टी स अपील केलाह जे ओ अपन घोषणा पत्र मे पृथक मिथिला राज्य क मांग कए जरूर स्थान दथि।